औरंगाबाद। बिहार क औरंगाबाद जिला क मदनपुर प्रखंड मे कहियो उग्रवादी क भय स घर मे नुकाइल रहय वाली महिला अपन बैंक संचालित करि कए पैघ पैमाना पर चलि रहल सूदखोरी क धंधा पर हमला बाजि देलथि अछि। इ महिला सब केन्द्र प्रायोजित स्वयं सहायता समूह क फेडरेशन क माध्यम स इ कारनामा करि देखौलथि अछि। इ निरक्षर ग्रामीण महिला अपना बूते बैंक संचालित करि न सिर्फ निर्धन महिला क जरूरत कए पूरा करि रहल छथि, बल्कि एहि स हुनकर आर्थिक स्थिति सेहो काफी हद तक सुधरि रहल अछि। एहि बैंक क संचालन स मदनपुर प्रखंड क लगभग तीन हजार महिला कए सूदखोर स छुटकारा भेट गेल अछि आओर ओ आब घरेलू सामान, नुआ आदि किनबा क अलावा अपन बेटी क हाथ पीयर करबा लेल सेहो एहि बैंक स सहायता ल रहल छथि। प्रियंका स्वरोजगार प्रशिक्षण संस्थान क सात हजार स अधिक महिला कए समूह द्वारा संचालित 20टा बैंक स जोड़ल गेल अछि। इ महिला कई तरह क रोजगार स संबंद्घ भ कए अपन आमदनी बढ़ेबाक संग-संग ग्रामीण इलाका क अर्थव्यवस्था कए सेहो मजबूती प्रदान करि रहल अछि।