महाराजा कामेश्वर सिंह क जयंती पर प्राचार्य डॉ. आरके सिन्हा क पैघ घोषणा
समदिया टोली
दरभंगा। 1886 मे स्थापित बिहारक सबस पुरान अस्पताल मे एक बेर फेर दरभंगा मेडिकल कॉलेज क छात्र रोगी क नियमित इलाज करतथि। महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह मेमोरियल अस्पताल मे सोमदिन महाराजाधिराज क 109 वीं जयंती क अवसर पर दरभंगा मेडिकल कॉलेजक प्राचार्य डॉ. आरके सिन्हा कहला जे एहि अस्पताल क अतीत जेतना मजबूत अछि ओतबे एकरा आइ सबल करबाक जरूरत अछि। ओ कहला जे एहि ठाम संसाधन एतबा मजबूत छल जे मेडिकल पढाई क रहल छात्र इलाज क प्रशिक्षण लेबा लेल एहि ठाम अबैत छलाह। एक बेर फेर बेहतर उपचार लेल पूर्व क भांति डीएमसी क पीजी क छात्र ऐताह आ स्वास्थ्य सेवा मे सहयोग देताह।
महाराजा कामेश्वर सिंहक सबस पैघ पौत्र बाबू रत्नेश्वर सिंह क उपस्थिति मे समारोह क अध्यक्षता करैत डॉ. रमण कुमार वर्मा कहला जे सामजिक क्षेत्र मे दरभंगा महाराज जे कृति स्थापित केलथि ओकर वर्णन करब मुश्किल अछि। शिक्षा, उद्योग, कृषी, कंपनी, राजनीति या स्वास्थ्य क क्षेत्र हो सब ठाम हुनक उल्लेखनीय काज अछि। महाराजा अपन समाज कए समृद्ध देखए चाहैत छलाह। मुदा, हम आ अहां हुनकर सपना कए सकार नहि क पाबि रहल छी। एहि अवसर पर डॉ. एसके दास आ डॉ. पूजा दास गरीब रोगी लेल दवाई दान केलथि। संगहि प्रति माह क 9, 16 आ 24 तारिख कए मधुमेह आ मास क 12 आ 24 तारीख कए दमा रोगीक ओपीडी मे इलाज करबाक घोषणा केलथि।
एहि अवसर पर शिविर क आयोजन सेहो भेल जाहि मे आयल नेत्र रोगी सब कए कामेश्वरी प्रिया पुअर होम मे मुफ्त ऑपरेशन, दवा आ चस्मा दबाक घोषणा भेल। अस्पताल क सचिव डॉ. मनोज कुमार श्रीवास्तव स्वास्थ्य क क्षेत्र मे महाराज क योगदान क विस्तार स चर्चा केलथि। ओ कहला जे एकरा पुन: समृद्ध क राज्य स्तरीय अस्पताल क दर्जा दियाउल जाएत।
उल्लेखनीय अछि जे एहि अस्पतालक स्थापना 1886 मे भेल अछि। बिहारक इ पहिल अस्पताल अपना मे कईटा इतिहास रखने अछि। 1938 मे सबस पहिने ऑपरेशन थियेटर एहि अस्पताल मे स्थापित भेल। 12 एकड मे पसरल इ अस्पताल भारत मे नि:शुल्क चिकित्सा उपलब्ध करेनिहार पहिल अस्पताल छी।