दरभंगा । दू दशक बाद दरभंगाक वातावरण मीठ होबए जा रहल अछि। श्री तिरहुत इंडस्ट्रीज रैयाम चीनी मिलकें फेरोसं खोलबाक लेल प्रक्रिया शुरू कS देलक अछि। कंपनीक एमडी प्रदीप कुमार चौधरी, फैक्ट्री लगौनिहार पूनाक हाइटेक इंजीनियरिंग कॉर्पोरेशन कंपनीक सीएमडी संजय औटी 29 नवम्बर 2017 कें मिलक अवलोकन केलनि। ओ लोकिन रैयाम पहुंच कS फैक्ट्रीक नक्शा आ स्थलक निरीक्षण केलनि। एतबा नहि एहि अवसर पर विधिवत नारियर फोड़ि कS फैक्ट्री निर्माण कार्यक शुभारंभ कयल गेल।
होयत विद्युत उत्पादन
पूर्वोतर मैथिलसं बात करैत ओ लोकिन कहलनि जे एहि ठाम 500 टीसीबी क्षमताक चीनी मिलक संग-संग 28 मेगावाट विद्युत उत्पादन आ 60 केएलपी इथेनौल बनेबाक फैक्ट्री सेहो लगाओल जायत। एमडी प्रदीप कुमार चौधरी कहलनि जे मिल बनेबाक लेल सरकारी प्रकिया पूर्ण कयल जा चुकल अछि। ओ निर्माण कार्य पूर्ण हेबाक बाद दिसंबर 2018 सं मिल चालू हेबाक बात कहलनि। हुनका संगहि कंपनीक प्रेसिडेंट जयंत ओले, मार्केटिंग मैनेजर दीपक रंजन, डिजाइन ऑफसर महेश तुंगे, विक्रम वाटे, मिल के जीएम चन्द्र शेखर सिंह, सुपरवाइजर संदीप कुमार झा आ बैजू कुमार आदि उपस्थित उपस्थित छलाह।
1995 मे बन्न भS गेल छल मिल
देश और विदेश में सबसं नीक चीनी उत्पादन लेल प्रसिद्ध एहि फैक्ट्रीकें 1995 में बन्द कS देल गेल छल। कहल जाइत अछि जे पुरान मॉडलक खराब मशीनक कारणें एकर उत्पादन क्षमता कम भS गेल छल। रैयाम चीनी मिलक स्थापना 1914 मे कयल गेल छी। ओतहि वर्ष 1973 मे राज्य सरकार एकर अधिग्रहण केने छल। मिल बन्न हेबाक बाद तत्कालीन एनडीए सरकार एक फेरोसं चालू करबाक लेल प्रयास आरम्भ केने छल। एहि बीच 15 अप्रैल 2010 कें तत्कालीन ओएस गणपति मिश्र मिलक चाबी कंपनीकें सुमझा देने छल। तखन कंपनीक एमडी घोषणा केने छल जे वर्ष 2011 मे मिल चालू भS जायत।
गपक क्रम मे श्री औटी कहलिन जे श्री तिरहुत इंडस्ट्रीज रैयाम चीनी मिल लिमिटेड केर एमडी द्वारा मिल लगेबाक प्रस्ताव देल गेल छल। एकरा स्वीकार करैत एहि ओर डेग बढ़ाओल जा रहल अछि। हुनका अनुसारे विधिवत निर्माण कार्य जनवरी 2018 केर प्रथम सप्ताह सं आरम्भ कS देल जायत। दिसम्बर धरि काज पूर्ण कS लेल जायत।