रामबाबू
पटना । प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जीक स्वच्छ भारत मिशनकें पुरा करबाक लेल समाजिक संस्था सेंटर फॉर रुरल इनफार्मेशन एंड एक्शन (क्रिया), सिंगापुर केर कंपनी आओर हैमिल्टन लैब केर संयुक्त प्रयास सँ आब दरिभंगा आओर मधुबनी मे 3-डी प्रिंटर उपलब्ध कराओत । जाहिसँ सुन्नर आरामदायी आ टिकाऊ शौचालय केर निर्माण द्रुत गती सँ कएल जाएत । भारतक कॉन्फ़ेडरेशन ऑफ़ इंडियन इंडस्ट्रीज आओर सिंगापुरक इंटरनेशनल इंटरप्राइज केर मध्य सात जनवरी कए करार भेल जाहिसँ सामाजिक विकास लेल दुनु देशक मध्य आधुनिक तकनीकी आदान प्रदान कएल जाएत । क्रिया आओर हैमिल्टन लैब केर संयुक्त प्रयाससँ भारतमे ई पहिल समाजिक पहल होयत ।
स्वच्छ भारत मिशन केर प्रमुख लक्ष्य जंगल झार बाट घाट खुजलमे शौचसँ मुक्त होय, मुदा तीन साल सँ बेसी अभियानके भेलाक बादो उत्तर बिहार एखन बहुत दूर अछि । अनाधिकारिक आंकड़ाक मोताबिक जतय दरिभंगा आओर मधुबनीमे दस लाख शौचालय बनेबाक अछि ओतय प्रशासन केर अनास्था सँ एखन धरि दस हजारो धरि नहि पहुँचल अछि। शौचालय बनयमे भ रहल देरी कए कारण क्रिया कए सचिव डॉ श्याम आनन्द झाक कहब छनि जे एक तँ सरकार द्वारा प्रस्तावित शौचालय मॉडल लेल प्रशिक्षित कारीगरमे भारी कमी अछि आ दोसर सरकार द्वारा देल जा रहल राशिक आवंटनमे व्याप्त भ्रष्टाचारक कारण द्रुत गती सँ शौचालय निर्माण नहि भ पाबि रहल अछि।
श्यामानन्द झा केर मोताबिक 3-डी प्रिंटरकें सहयोगसँ दरिभंगा, मधुबनी आओर अगल बगलमे खुजलमे शौचसँ मुक्त कएल जा सकैए। अहिसँ होय वाला गम्भीर बीमारी सँ त्रस्त उत्तर बिहारक लेल समाजिक कार्यकर्ता डॉ रमण कुमारकें कहब छनि जे घरेघर शौचालय भेनाइ समयक माँग अछि आ एकरा बिना सरकारी अस्पतालक भीड़ पर अंकुश लगायब मोसकिल अछि।
3-डी प्रिंटर सँ निर्माण होमय वाला शौचालय लेल कंस्ट्रक्शन हब केर काज पुर भ चुकल अछि। प्रतीक्षा अछि केवल सिंगापुर सँ आबय वाला रोबोटिक मशीन केर जेकरा अहि महिनाक अंत धरि अएबाक सम्भावना अछि। स्थानीय कार्यकर्ता कन्हैया सिंह केर कहब छनि जे अहि तरहक शौचालय लेल लोक उत्साहित भ बाट जोही रहल अछि। अहिसँ क्षेत्रक पूरा परिदृश्य बदलि सकैत अछि। अहि शौचालयमे खास ध्यान देल गेल अछि की शौचालय हवादार हो जाहिसँ प्रयोग करैत कोनो तरहक गरमी आ की घुटन नहि होय। शौचालयकें लेल ईंट केर स्थान पर फ्लाईऐश प्रयोग कएल जाएत। अहि तकनीकी मे अजैवकीय कचड़ा जेना प्लास्टिक केर बोतल, पॉलिथीन आदि सभक प्रयोग कएल जाएत। अहि शौचालयकें केवल नौ सँ दसे हजार रुपैयामे बनबा कS लोककें देल जाएत।