पटना : दैनिक जागारण द्वारा आयोजित दू दिवसीय साहित्यिक समारोह बिहार संवादी मे मिथिला भाषा भाषी समर्थक लोकिन जमि क बवाल केलनि। सत्र शुरू होइत देरी दर्शक दीर्घा मे बैसल मिथिला स्टूडेंट्स यूनियनक कार्यकर्ता लोकनि जतए एक दिस आयोजक मुदार्बाद केर नारा लगौलनि ओतहि दोसर दिस किछु समर्थक सभ पटना विवि केर मैथिली विभागाध्यक्ष वीरेन्द्र नारायण झा केर मुंह पर कारिख पोइत देलनि।
जानकारी अनुसार पटनाक तारामंडल मे आयोजित एहि कार्यक्रम कें ल क कतेको दिन सं सोशल मीडिया पर विरोध में व्यापक अभियान चलाओल जा रहल छल। विगत दू दिन सं कार्यक्रम स्थलक मुख्य द्वार पर बैस क धरना प्रदर्शनक माध्यमे सेहो विरोध दर्ज करओल गेल। एतबा नहि जखन आयोजक लोकनि नहि मानलनि तखन अंदर जा क उग्र प्रदर्शन करबाक निर्णय लेल गेल। अजीत आजादक नेतृत्व मे सैकड़ों लोग आयोजन समितिसं मैथिली भाषाकें एहि सत्र सं फराक करबाक आग्रह केलनि। हिनका लोकनिक साफ कहब छलनि जे मैथिल देशक संवैधानिक भाषा अछि। एकरा बोली कहि क अपमानित कयल जा रहल अछि। इ सरासर गलत अछि। दोसर दिस आयोजक समिति दिस स बेर बेर स्पष्टीकरण देबाक बाद आ माफी मांगबाक बादो जखन एमएसयू कार्यकर्ता नहि मानलनि तखन पुलिसक मददि सं हिनका सभके बल पूर्वक बाहर क देल गेल।
ओमहर सत्रक दौरान वरिष्ठ पत्रकार निराला कहलनि जे हमरा लोकनिकें हिंदी सं कोनो विरोध नहि अछि। हिंदी सभक पियरगर अछि। मुदा श्रेष्ठताबोधक संग जखन हिंदीकें हमरा सभक समक्ष ठाढ कयल जाइत अछि तखन विरोध करब स्वाभाविक अछि।
एहि विरोध प्रदर्शन मे कुमार गगन, कमल मोहन चुन्नू, मुकुंद मयंक, पंकज झा, बालमुकुंद पाठक, MSU राष्ट्रीय सोशल मीडिया प्रभारी अमित सिंह, सागर, लीगल हेड नीरज शेखर, बिहार प्रभारी सागर नवदिया, राष्ट्रीय संघठन मंत्री अविनाश भरद्वाज, मधुबनी जिलाध्यक्ष अजय शशि झा,प्रियंका झा, राघव चौधरी, दरभंगा जिलाध्यक्ष अमित ठाकुर, प्रिय रंजन, बंटू झा, सोनू कश्यप, सुमित माऊबेहटिया, उग्रनाथ मिश्रा, बालमुकुन्द, मनोज कुमार ठाकुर, दिवाकर झा, अभिषेक झा, मनोरंजन, आशानंद मिश्रा, अंकित, शिवेन्द्र वत्स, बासुकी झा सहित चेतना समिति केर कतेको गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह।