विनीत ठाकुर
मधुबनी । जिला पदाधिकारी श्री शीर्षत कपिल अशोक मधुबनी क अध्यक्षता मे बुध दिन अगामी बाढ़ि क पूर्व तैयारी लेल समीक्षा बैसक आयोजित कयल गेल जाहि मे अपर समाहर्ता दुर्गा नन्द झा,जिला परिवहन पदाधिकारी सुजीत कुमार, जिला भू अर्जन पदाधिकारी मो. अतीकुद्दीन, प्रभारी जिला सम्पर्क पदाधिकारी विनोद कुमार मधुबनी समेत अन्य जिला स्तरीय पदाधिकारी गण, अंचल अधिकारी आ बाढ़ि नियन्त्रण कार्यपालक अभियंता सहित पथ प्रमंडल सबहक कार्यपालक अभियंता उपस्थित छलाह।
बैसक मे जिला पदाधिकारी द्वारा बाढ़ि पूर्व तैयारी क समीक्षा प्रखंडवार कयल गेल आ सब पदाधिकारी के निदेश देलन्हि जे बाढि अयला पर कोनो गाँव या टोलक सड़क सम्पर्क भंग नहि हो।संगहि सब पथ प्रमंडल क कार्यपालक अभियंता के क्षतिग्रस्त पथ क मरम्मति बाढि पूर्व करबा क निदेश देलन्हि। प्रखंड सब मेलगाओल वर्षामापक यंत्र एवं जल स्तर मापक गेज क सुचारु रूपेँ कार्य करबाक समीक्षा जिला पदाधिकारी कयलन्हि। अंचल अधिकारी सब के हुनका द्वारा बाढि क समय संकट ग्रस्त व्यक्ति समूह के चिन्हित करबा क निदेश देल गेल। कार्यपालक अभियंता, बाढ नियंत्रण, झंझारपुर १/२, पश्चिमी कोशी तटबंध निर्मली एवं अन्य पदाधिकारी क संग तटबंध क सुरक्षा क समीक्षा करैत क्षतिग्रस्त तटबंध क पहचान मरम्मति क निदेश देलन्हि।
जिला पदाधिकारी सब अंचलअधिकारी क संग अंचलवार नाव क उपलब्ध्ता क समीक्षा करैत नाव केयर टेकर क सम्पर्क नंवर उपलब्ध रखवाक निदेश देलन्हि । बाढ़िक समय दे खल जाईछ जे नाव क उपयोग निजी कााज क लेल होइछ तेँ नाव पंचायत स्तरीय अनुश्रवण निगरानी समिति केँ बाढि क समय देल जायत जाहि सँ प्रभावित व्यक्ति समूह लाभान्वित होयताह। ओ अंचलाधिकारी सब के फूड पैकेट निर्माण हेतु पैघ हाल वा स्कूल क व्यवस्था आ पशु चारा उपलब्धता हेतु पशुपालन पदाधिकारी के निदेश देल।
जिला पदाधिकारी आपदा प्रबंधन के लाइफ जैकेट बाढ़ि सँ पूर्व उपलब्ध करेबाक निदेश देल। बाढ़ि क समय नियंत्रण कछ क स्थापना, राहत ,वचाव दल क गठन आकस्मिक फसल योजना सूत्रण तैयारी क अभ्यास करबा क निदेश कसंग बैक सँ फसल क्षति/जी आर क रा शि क्लियर करैबाक सेहो निदेश देल।