विनीत ठाकुर
मधुबनी । नित्य जाम क समस्या क सामना करैत मधुबनी शहर के जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक मधुबनी क पहल से गोवा माडल क तर्ज पर बस टर्मिनल भेटए बाला अछि।
जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक एहि संबंध मे जनौलन्हि जे शहर निधि चौक पर चारि एकड़ भूमि पर प्रस्तावित टर्मिनल गोवा माडल क तर्ज पर बनत जकर लागत 80 करोड़ से अधिक अनुमानित अछि। ई खर्च नगर विकास विभाग करत जाहि मे निगम क हिस्सेदारी 40 प्रतिशत आ जमीन देबए बाला क हिस्सेदारी 60 प्रतिशत रहतैन।
जिला पदाधिकारी महोदय जनौलन्हि जे प्रस्तावित टर्मिनल सँ राज्य क विभिन्न शहर क संग नेपाल क लेल बस सब खुजत। टर्मिनल पर कतेको आधुनिक दू तल्ला क टर्मिनल जेना सुविधा रहतैक। एहि लेल काज शुरू भ गेल अछि।
एन.एच 57 सँ.टर्मिनल क दूरी दस कि. मी. रहत आ एकरा रामायण सर्किट सं सेहो जोड ल जायत। निचला तल्ला सँ विभिन्न शहरों क लेल बस सब चलत आ ऊपरका तल्ला पर रिसेप्शन, वेटिंग,अल्पाहार गृह, बुक स्टाल सहित अन्य बस्तु सबहक दुकान रहत। प्रस्तावित टर्मिनल निर्माण से उत्साहित जिला पदाधिकारी जनौलन्हि जे निर्माण कार्य शीघ्रे शुरू कयल जायत।एकर निर्माण सँ नगर निगम क आमदनी बढ़तैक। मिथिलांचल क पर्यटन स्थल सब के एहि टर्मिनल से जोड़ल जायत जाहि सँ स्थल सब प्रकाश मे आएत। मिथिला पेंटिंग लेल प्रसिद्ध मधुबनी के एहि. सँ एक नव आयाम भेटतैक।