पटना। नगर विकास विभाग,पटना क निदेश क आलोक मे मधुबनी नगर परिषद द्वारा नगर निगम ले ल शहर क परिसीमन काज शुरू भ गेल अछि। प्राप्त जानकारी अनुसार नगर विकास विभाग, शीर्षत कपिल अशोक जिला पदाधिकारी,मधुबनी के निदेश देलक अछि जे नगर परिषद के नगर निगम मे परिवर्तित करबा क लेल विभागीय प्रक्रिया पूरा करैत शीघ्र प्रतिवेदन समर्पित कएल जाय । निदेश क आलोक मे जिला पदाधिकारी द्वारा नगर परिषद् क कार्यपालक पदाधिकारी जटाशंकर झा आ अध्यक्ष सुनैना देवी क परिसीमन कार्य अबिलम्ब प्रारम्भ करबा क निदेश देल जाहि सँ निर्धारित समय मे विभाग के प्रतिवेदन समर्पित कएल जा सकय। एहि आदेश क अनुपालन मे नगर क नव क्षेत्र मे मापी कार्य शुरू क देल गेल अछि। विभागीय सूत्रानुसार निगम हेतु न्यूनतम 45 वार्ड आ एक लाख आबादी आवश्यक मानल गेलअछि। नगर निगम बनेबाक लेल दू वर्ष पूर्व प्राप्त निदेश पर कोनो काज नहि भ सकलै फलतः मात्र चर्चा क विषय रहि गेल। नगर निगम मे परिवर्तित हेबा लेल शहर क पांच पंचायत क्रमशः सप्ता, जितवारपुर,मंगरौनी दक्षिणी,भौआड़ा,चकदह आ भच्छी एकर अन्तर्गत आ ओत।जितवारपुर क तीन वार्ड , चकदह क किछु भाग, रांटी आ शेष भौआड़ा पंचायत मे शामिल अछि।
एहि सब पंचायत के शामिल भेला सँ 45 वार्ड आ76 हजार से 150000 क आवादी भ जेतैक।
जिला पदाधिकारी जनौलन्हि जे नगर परिषद के नगर निगम भेला सँ अध्यक्ष क स्थान पर मेयर होयता। शहरवासी के अधिकाधिक सुविधा भेटतैन।सम्मिलित पंचायत सबहक सब काज प्रखंड क स्थान पर निगम द्वारा कएल जेतैन्ह। निगम क वजट मे वृद्धि संग विकास क गति सेहो बढत ।नव प्रशासनिक भवन मे 30 क स्थान पर 45 सेअधिक पार्षद होयता।