दरभंगा । मानव संसाधन विकास मंत्रालय तिरहुता लिपि क संरक्षण आ संवर्धन हेतु कमेटी गठित कयलक अछि। जदयू क राष्ट्रीय महासचिव संजय झा जनौलन्हि जे मानव संसाधन मंत्री प्रकाश जावड़ेकर एहि कमेटी क गठन कएल अछि। कमेटी मे लनामिवि क मैथिली विभागाध्यक्ष प्रो. रमण झा, संस्कृत विवि क व्याकरण विभागाध्यक्ष प्रो.शशिनाथ झा मिवि क सेवानिवृत्त शिक्षक प्रो. रत्नेश्वर मिश्र आ महवीर मंदिर न्यास पटना क प्रकाशन विभाग क डा. भवनाथ झा सम्मिलित छथि।
जदयू महासचिव जनौलन्ही जे मिथिला आ मैथिली क विकास मे एनडीए सरकार क महत्वपूर्ण योगदान रहल अछि। पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी क नेतृत्व मे मैथिली के उचित सम्मान प्राप्त भेल। हुनके कार्यकाल मे मैथिली कए संविधान क अष्टम सूची मे स्थान देल गेल।
ई कमेटी तिरहुता लिपि क संरक्षण आ संवर्धन हेतु मंत्रालय के अपन सुझाव देत जाहि पर विचारोपरान्त मंत्रालय काज करत। एहि हेतु श्री झा श्री जावेड़कर सहित केन्द्र सरकार के धन्यवाद देल अछि।