रामबाबू
पटना । सहरसा-मानसी रेलखंड पर बुधदिन प्रात: पहिल बेर जनसेवा एक्सप्रेस ट्रेन इलेक्ट्रिक इंजन सँग सहरसा जंक्शन सँ प्रस्थान कएलक। बुधदिन सँ सहरसाक तीनु प्रमुख ट्रेन इलेक्ट्रिक इंजन सँग परिचालन शुरू भ जायत । सहरसा-मानसी रेलखंड पर दूरस्थ जाए बला तीनटा महत्वपूर्ण ट्रेन पुरबिया एक्सप्रेस, गरीब रथ आ जनसेवा एक्सप्रेसमे इलेक्ट्रिक इंजन लगा कए चलाओल जाएत । जखन कि अहि मासक 24 तारीख कए इलेक्ट्रिक इंजन ट्रेनमे लगेबाक तैयारी भेल छल । आदर्श नगर दिल्ली सँ सहरसा आबय बला पुरबिया एक्सप्रेस इलेक्ट्रिक इंजन संग सहरसा पहुँच चुकल अछि। परञ्च, सहरसा-मानसी रेलखंड पर विद्युत सप्लाई नहि भेला सँ आ आऔर किछु कायज़् पुरा नहि होबाक कारण इलेक्ट्रिक इंजन क आगु ट्रेनमे डीजल इंजन लगा कए प्रस्थान कराओल गेल ।
मधेपुरा रेल इंजन कारखाना मे बनि रहल 12000 हॉर्स पावर क इंजन अन्यान्य रेलखंड सभपर पठेबाक लेल मधेपुरा-मानसी रेलखंडक उपयोग कएल जाएत । एहि इंजन क बाहर रेल पटरी पर अनबाक लेल मानसी-मधेपुरा क बीच विद्युतीकरणक काज कैल गेल अछि । 12000 हॉर्स पावर क इंजनक ट्रेन सभमे जोडि़कए ट्रेनक गति बढ़ेबा आऔर समय बचेबाक लेल रेलवे तैयारी कए रहल अछि । जानकारीकें मोताबिक, एहि साल मधेपुरामे निर्मित इंजन कए ट्रेनक साथ जोडि़ देबाक तैयारी अछि। एहि कारण सेहो सहरसा-मानसी-मधेपुरा रेलखंड पर पछिला सात-आठ महिना सँ दिन-राति रेल विद्युतीकरण क काज युद्धस्तर पर चलि रहल अछि।
वर्ष 2005 मे मानसी-सहरसाक बीच बड़ी लाइन बिछाओल गेल छल । ओहि समय देशक पहिल गरीब रथ ट्रेन कए तत्कालीन रेल मंत्री हरियर झंडा देखा कए सहरसा सँ विदा केने छल । तकर बाद एहि रेलखंड पर विभाग क नजरि नहि पड़लनि । मधेपुरामे इंजन फैक्टरीक घोषणा आऔर 12000 हॉर्स पावर क इंजन बनलाक बाद आनन-फाननमे रेलखंडक विद्युतीकरण क काज कैल गेल ।