पटना । राजधानी पटना मे राज्य सरकार द्वारा मेट्रो ट्रेन निर्माण परियोजना पर तेजी सं काज कयल जा रहल अछि। जं सब किछु ठीक ठाक रहल त सितंबरमे मेट्रो परियोजनाक शिलान्यास कैैल जायत । एहि आधारपर नगर विकास आ आवास विभाग 15 जून कए पटना मेट्रोक डीपीआर केंद्र सरकार कए सौंपबाक निर्णय केलक अछि । मेट्रोक डीपीआर बनाबए वला राइट्सकें रिपोर्ट सौंपबाक दिशा निर्देश देलक अछि।
नगर विकास आ आवास मंत्री सुरेश शर्मा एहि बीच दिल्ली मे आवास आ शहरी विकास मंत्री हरदीप सिंह पुरी सं मेट्रो परियोजना पर भेट केलनि आ विस्तार स चर्चा केलनि । केंद्रीय मंत्री पुरी कहलनि जे पीपीपी मोड स पटना मेट्रोक निर्माण कैैल जायत। एहिमे राज्य सरकारक 50-50 प्रतिशत हिस्सेदारी 10 फीसद केंद्रीय अनुदानक आधार पर प्रस्ताव उपलब्ध कराओल जायत, ताकि 2 माह मे एहि परियोजनाक शिलान्यास कैैल जा सकय ।
ओतहि दोसर दिस केंद्रीय मंत्री कए बिहार स स्मार्ट सिटी मे चयनित शहरक प्रगति रिपोर्ट स सेहो अवगत करौलनि । ओ पहिल चरण मे चयनित भागलपुर स्मार्ट सिटीक प्रगति पर सख्त नाराजगी जतौलनि ।