बाँका। बाँका जिला के तीन ग्राम क लोक की फरियाद जान सरकार नहि सुनलक त सड़क समस्या से परेशान ग्रामीण स्वयं सड़क बनेबा क निश्चय कयल आ करगड़ रौद कबिना परवाह केने मात्र तीन दिन मे दू कि.मी. से बेसी लंबा सड़क निर्माण कय इतिहास रचल। एहि काज मे महिला सबहक उत्साह देखि पुरूषो सब संग देलैन।
एहि गाँव मे आजादी क बाद कहियो सड़क नहि बनल छल। जिला कनीमा, जोड़ावरपुर आ दुर्गापुर क लोक सब एहि समस्या से परेशान छलाह। सड़क अभाव मे समय पर अस्पताल नहि पहुँचबा क कारणे कतेको लोक क मृत्यु भ गेलैक। वर्षात क समय त रास्ता थाले थाल भ जाईत छलैक जे अत्यधिक कष्टप्रद छल। ब्लाक मुख्यालय से मात्र अढ़ाई कि.मी. दूरी पर बसल एहि गाम क कतेको महिला प्रसब काल समय पर अस्पताल नहि पहुँचबा क कारणे मृत्यु प्राप्त कयल।
प्रशासन एहि संबंध मे बजलाह जे ग्रामीण सब सड़क हेतु भू अर्जन क समय भूमि देबा लेल तैयार नहि भेलाह तेँ सड़क नहि बनि सकल। अपन हाथ ,जिन्दावाद क संकल्प लय नीमा, जोड़ावरपुर आ दुर्गापुर क महिला सब130 महिलि क समूह बनाय निर्णय लेल जे वर्षात से पहिने सड़क तैयार करब । एहि संकल्प क संग भिंसर से साँझ धरि टोखरी ,कोदारि लय निर्माण काज पूरा कयल। ई समाचार प्राप्त होइतहिं जिला पदाधिकारी , बाँका महिला लोकनिक एहि काज क प्रशंसा करैत कहलैन जे एहि सड़क के पी सी सी बनाओल जायत।