मधुबनी । जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक क अध्यक्षता मे.समाहरणालय अवस्थित सभागार मे निपाह वायरस से संबंधित बैसक क आयोजन कयल गेल। बैसक मे स्वास्थ्य विभाग द्वारा जारी सुझाव क आलोक मे नीरा आ ताड़ी क उत्पादन संबंधित काज के स्थगित रखवा क निदेश स ब पदाधिकारी के देल गेल ।नीरा उत्पादन, प्रशिक्षण कार्य पर सेहो रोक रहत। ध्यातव्य अछि जे नीरा उत्पादन से संबंधित प्रशिक्षण हेतु जीविका क 7 उत्पादक समूह क गठन कयल गेल अछि जे सात विभिन्न जगह. यथा झंझारपुर, राजनगर , लखनौर,विस्फी आदि जगह पर विक्री आ एकरा प्रति जागरुकता उत्पन्न करबा हेतु स्टाल लगाओल गेल छल। निपाह वा़यरस क खतरा क दृय्टियेँ स्वास्थ्य विभाग क सलाह पर अगिला आदेश तक ई रोक रहत।