मधुबनी। मिथिला चित्रकला आब आओर प्रखर आ समृद्ध होयत। मिथिला क कला क प्रोत्साहन हेतु जिला पदाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक, केंद्र सरकार क समक्ष विभिन्न प्रस्ताव पठौने छलाह जकर आलोक मे केंद्र क वस्त्र मंत्रालय से एक विशेष टीम मधुबनी पहुँचल अछि। केंद्र सरकार चित्रकलाक संग संग आन कलाक एहि ठाम संभावना ताकि रहल अछि। जाहि मे सूत उद्योग आ पावर लूम कए फेर स जीवित करबाक प्रयास भ सकैत अछि। केंद्रीय टीम प्रस्ताव सबहक डीपीआर बनौनाइ शुरू कय देलक अछि। एहि प्रयास से शीघ्रे कलाकार आ कलाकार सब के विकास हेतु विभिन्न अवसर पर्याप्त होयतन्हि। आधुनिक डिजाइन आ तकनीकी से ओसब अवगत कराओल जायता।उत्पाद बेचबा हेतु बाजार उपलब्ध कराओल जयतैन्ह।
जिला पदाधिकारी श्री अशोक केंद्रीय टीम के सहयोग करबा लेल पदाधिकारी आ कर्मी सब कए प्रतिनियुक्ति कयल अछि जे पाँच जुलाई से सात जुलाई तक अपन काज के अतिरिक्त केंद्रीय टीम क सहयोग करताह। आवश्यकता अनुसार समय वृद्धि कयल जेतैक।
टीम मे भवन प्रमंडल, मधुबनी क कनीय अभियंता श्री राम भजन प्रसाद, पथ प्रमंडल , मधुबनी क कनीय अभियंता किशोर कुमार, पीएच ईडी के कनीय अभियंता श्री सत्यप्रकाश, डीआरडीए के लेखा पदाधिकारी बाल कृष्ण चौधरी, जिला आपदा प्रबंधन कोषांग से कुंदन सागर, बेनीपट्टी क केआरपी अभिषेक कुमार क प्रतिनियुक्ति कयल गेल अछि।
जिला पदाधिकारी प्रतिनियुक्त अधिकारी ,कर्मी के विशेष टीम क पदाधिकारी सब से संपर्क कय विभिन्न परियोजना क प्रस्ताव क डीपीआर तैयार करबा में सहयोग करबाक आदेश देलन्हि। डीपीआर बनेबाक काज शुरू अछि।