दरभंगा। संस्कृत विश्वविद्यालय क वीसी प्रो. सर्वनारायण झा सुलभ इंटरनेशनल क संस्थापक  बिंदेश्वरी पाठक सँ यूरोपियन गेस्ट हाउस मे भेँट कय संस्कृत भाषा क संरक्षण आ संवर्धन हेतु सहयोग देबाक अनुरोध कयलन्हि। डॉ पाठक सब तरहक सहयोग देबाक आश्वासन दैत एक विस्तृत कार्ययोजना तैयार करबाक सुझाव देलनि आ योजना संग प्रधानमंत्री सँ भेँट करबाक आश्वासन देलनि। एहि अवसर पर उपस्थित विश्वविद्यालय क सिंडिकेट आ सीनेट सदस्य डॉ विनय कुमार चौधरी आ पीआर ओ निशिकान्त कहलनि जे वीसी श्री पाठक केँ आर्थिक रूप सँ लचरल छात्र सब केँ नि:शुल्क भोजन आ आवास क समाप्त उपलब्धता केँ पुनः स्थापित करबा लेल सहयोग मांगल। प्रो. श्री झा सुबिधा संपन्न व्यक्ति द्वारा संस्कृत शिक्षा केँ संरक्षण देबाक उल्लेख करैत डॉ पाठक सँ वैयक्तिक सहयोग देबाक अनुरोध कयलन्हि।ओ जनौलनि जे सरकार संस्कृत शिक्षा पर पाँच सय करोड़ वार्षिक खर्च करैत अछि जाहि सँ वेतनादि के भुगतान कयल जाइछ।
वीसी छात्र क कल्याण हेतु एक सय करोड़ टाका केँ फिक्स कय ओकर सूदि क ७० प्रतिशत सँ छात्र क आवास, भोजन क व्यवस्था पर खर्च आ बाँकी तीस प्रतिशत फिक्स करबाक सुझाव देल।  डॉ पाठक आश्वासन देल जे सुलभ इंटरनेशनल एहि मद मे शीघ्रे पुनः सहयोग करत। उल्लेखनीय अछि जे २२ लाख टाका ओ पहिने देने छलाह। गाँधी सदन पहुँचला पर  वीसी डॉ पाठक केँ पुष्प गुच्छ आ शाॅल सँ सम्मानित कयलन्हि।
								
								
																	
															 
			 
		    



 
                                
