• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

दरभंगा जक्‍शन बनत मिथिलाक सिग्‍नेचर स्‍टेशन, लक्ष्‍मीश्‍वर विलास पैलेस सन लुक देबा मे जुटल रेलवे

दरभंगा जक्शनक नब लुक प्राचीन स्थापत्य कलाबोध क आभास कराउत।

December 11, 2019
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

दरभंगा । दरभंगा जंक्शन कए मिथिलाक मिथिलाक सिग्‍नेचर स्‍टेशन बनेबाक काज रेलवे शुरु क देलक अछि। अगिला साल दरभंगा जक्‍शन देखबा मे दरभंगा स्थित लक्ष्‍मीश्‍वर विलास पैलेस सन लागत। दरभंगा जक्‍शनक नब लुक प्राचीन स्थापत्य कलाबोध क आभास कराउत। लाल आ पियर रंग मे रंगायल दरभंगा जक्‍शन क नब स्‍वरूप दरभंगा कए नब पहचान देत। दरभंगा जक्‍शन कए नव रूप देबाक आग्रह धरोहर लेल काज क रहल संस्‍था इसमाद फाउंडेशन 2018 में तत्‍कालीन डीआरएम स केने छल। बीआइटी मेसरा क शिक्षक अमित कुमार एकर परिकल्‍पना प्रस्‍तुत केलथि आ पटनाक वास्‍तुकार अरूण अथि एकर डिजाइन बनेलथि अछि। तत्‍कालीन डीआएम आरके जैन एहि योजना लेल काफी मेहनत केलथि आ एकरा मूर्त रूप मे उतारबा स पूर्व हुनक स्‍थानांतरण भ गेल। हुनकर स्‍थान पर आयल वर्तमान डीआरएम अशोक महेश्वरी सेहो एहि योजना कए काफी महत्‍वपूर्ण मानैत आगू बढैलथि। एकर टेंडर क प्रक्रिया पूरा केलथि और निर्माण कार्य लेल 45 लाख आवंटित केलथि। बुधदिन स एहि पर काज शुरु भ गेल।

डीआरएम आरके जैन संग योजना पर गप करैत इसमाद फाउंडेशन क न्यासी संतोष कुमार

लक्ष्‍मीश्‍वर विलास पैलेस क निर्माण 1886 में तिरहुत सरकार महाराजा लक्ष्‍मीश्‍वर सिंह लेल विश्‍व प्रसिद्ध वास्‍तुकार मेजर मंट केने छलाह। मेजर मंट दरभंगाक लक्ष्‍मीश्‍वर विलास पैलेस क बाद कूचबिहार, कोल्‍हापुर आ बडोदराक लक्ष्‍मीविलास पैलेस सेहो बनने छलाह। इसमाद फाउंडेशन पिछला दू साल स एहि परियोजना लेल रेलवे स आग्रह क रहल छल।

स्टेशन कए नव लुक देबाक काज शुरू

मालूम हो जे दरभंगा जंक्शन क साज-सज्जा आ सौंदर्यीकरण पर तत्‍कालीन डीआरएम आरके जैन बहुत काज केलथि। कईटा योजना तैयार केलथि आ ओकरा मूर्त रूप देलथि। श्री जैन संपर्क क्रांति एक्‍सप्रेस मे नहि केवल मिथिला चित्रकला करौलथि, बल्कि संपर्क क्रांति एक्‍सप्रेस कए वातानुकुलित प्रथम दर्जा में मिथिलाक इतिहास स संबंधित 100 स बेसी पुरान फोटो क गैलरी लगेबाक काज केलथि। श्री जैन दरभंगा सुगर मिल क इंजन जे लोहट चीनी मिल लेल खरीद भेल छल, ओकरा दरभंगा जक्‍शन पर संग्रहित करबाक एतिहासिक काम केलथि। एकर अलावा श्री जैन दरभंगा जक्‍शन पर दरभंगा हॉल प्रथमश्रेणी प्रतिक्षगृह में सेहो 100 साल पुरान मिथिला स जुडल फोटो गैलरी बनेबाक काज केलथि। श्री जैनक एहि प्रकारक काज हुनका सदियो तक दरभंगा स जोडने रहत।

Tags: darbhangaIndian Rail

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
गांधी असगर विकल्‍प क रूप मे दुनियाक समझ ढार छथि : हरिवंश

गांधी असगर विकल्‍प क रूप मे दुनियाक समझ ढार छथि : हरिवंश

एक संग होएत एयरपोर्टक उदघाटन आ एम्‍सक शिलान्‍यास

एक संग होएत एयरपोर्टक उदघाटन आ एम्‍सक शिलान्‍यास

जयनगर द कए 30 कए जनकपुर पहुंचत पहिल ट्रेन

जयनगर द कए 30 कए जनकपुर पहुंचत पहिल ट्रेन

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि