एक्टर सुशांत सिंह राजपूतक मृत्युक मामिलामे सीबीआई जांचक आइ १२म दिन अछि। रियाक माय संध्या चक्रवर्ती आ पिता इंद्रजीत स’ सीबीआई पहिल बेर पूछताछ क’ रहल अछि। मुंबई पुलिसक एस्कॉर्टमे दुनू सीबीआई ऑफिस पहुँचलाह। आव्यशकता पड़ला पर रियाके लगातार ५म दिन सवाल-जवाबक लेल बजाओल जा सकैत अछि.
आइ सुशांतक घर काज करयवला, रिया आ हुनका भाइ शोविकके सोझाँ-सोझी बैसा क’ पूछताछ भ’ सकैत अछि। ओम्हर, प्रवर्तन निदेशालय (ईडी) आइ फेर गौरव आर्यके पूछताछक लेल बजओलनि अछि. गौरव आ रियाक वॉट्सऐप चैटमे ड्रग्सक बात सोझाँ अयबाक बाद ईडी एहि मामिलाक जांच क’ रहल अछि। ईडी एहि केसमे एक और गोटे कुणाल जानीके सेहो पूछताछक लेल बजओलक अछि. रियाक वॉट्सऐप चैटमे कुणालक नाम सोझाँ आयल छल।
सीबीआई सोमदिन रियाक साथ हुनका भाइ शोविक स’ पूछताछ कयलक। दुनू स’ आईपीएस नूपुर शर्मा सोझाँ-सोझी बैसि क’ सवाल-जवाब कयने छलीह। एकर अलावा सुशांतक पूर्व मैनेजर श्रुति मोदी, कुक नीरज सिंह आ सीए रजत मेवाती स’ सेहो पूछताछ भेल। सूत्रक मोताबिक, रियाक ड्रग्स चैट आ घर पर होमयवला पार्टीके ल’ सवाल कयल गेल, जकर ओ सही जवाब नहि द’ सकलीह.