पटना. सभ चुनावमे नाराक अपन अलग भूमिका होएत अछि. सभ पार्टी चुनाव कालमे विभिन्न नारा तैयार करैत अछि. अहू बेर विधानसभा चुनाव २०२० के ल’ बिहारक सभ पार्टी अपन-अपन नारा आ स्लोगन तैयार क’ लेलक अछि. आउ अहाँके देखबैत छी एहि बेर कोन नाराक संग बिहारक पार्टी चुनावी मैदानमे जायत.
एनडीए जारी कयलक इ नाराकेओ सत्ते कहलक अछि जे बिना नाराक चुनाव किछु एहन होएत अछि जेना कोनो सेना बिना हथियार. नारा चुनाव अभियानमे दम आ कार्यकर्तामे जोश भरबाक काज करैत अछि. जोरक नारा लागय त’ फेर जोश आसमान छूबै लगैत अछि. सभ पार्टी एक एहन नारा अपना लेल चाहैत अछि, जाहि स’ ओ वोटरके लोभा सकय. यैह कारण अछि जे बिहार चुनावक घंटी बजबाक संग सभ पार्टी अपन नारा तैयार क’ लेलक अछि. पहिने बात एनडीएक नाराक करब त’ भाजपा एहि बेर विधानसभा चुनावक लेल जे नारा देलक अछि ओ अछि – भाजपा अछि तैयार, आत्मनिर्भर बिहार. ओतहि, जेडीयू दू गोट नारा जारी कयलक अछि. पहिल – विकसित बिहार नीतीश कुमार आ दोसर – विकासमे अछि विश्वास नीतीश कुमार. त’ लोजपा – बिहार फस्ट बिहारी फस्ट – केर नाराक संग जनताक बीच जा रहल अछि.
दोसर दिस विपक्षी पार्टी सभ सेहो चुनावी नारा जारी क’ देलक अछि जाहिमे राजदने – तेज रफ्तार तेजस्वी सरकार – केर नारा देलक अछि. ओतहि, कांग्रेस – कहैत अछि बिहार बदलय सरकार – केर नारा देलक अछि. यद्यपि राजनीतिक पार्टीक इ नारा वोटरक ह्रदय धरि कतेक पहुँचि पबैत अछि, इ त’ चुनावक परिणामे बताओत. मुदा एतेक त’ साफ अछि जे सभ पार्टी अपन-अपन तरकसमे चुनावी तीर सजायब शुरू क’ देलक अछि. यद्यपि एखन इ तय नहि अछि जे बिहारमे चुनावक तारीख की होयत?