मधुबनी. पश्चिमी कोसी नहर परियोजना क अवशेष आ पुनर्स्थापन कार्य क अंतर्गत 696 करोड़ क लागत स एकरा पूरा करबाक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग क माध्यम स कार्यारंभ केलथि. करीब 62 साल पहिने बनल एहि योजना कए पूरा करबा लेल आब विभिन्न लघु नहर, उप नहर, शाखा नहर आ वितरणी क निर्माण होएत.
उल्लेखनीय अछि जे पश्चिमी कोशी मुख्य नहर स निकलै वाला 42.07 किमी लंबा झंझारपुर शाखा नहर क मुख्यमंत्री पिछला 26 अगस्त कए उद्घाटन केने छलाह. 33.9458 करोड़ रुपये क लागत स झंझारपुर शाखा नहर क अवशेष आ पुनर्स्थापन क कार्य दिसंबर 2019 मे प्रारंभ भेल छल. एकरा 2021 क मध्य मे पूरा भ जेबाक छल, मुदा जल संसाधन विभाग एकरा निर्धारित समय स एक वर्ष पहिने रिकार्ड अवधि मे पूरा क लेलक.
एहि झंझारपुर शाखा नहर क द्वारा करीब 33,000 हेक्टेयर मे सिंचाई सुविधा उपलब्ध भ जायत. एहि स मधुबनी जिला क बाबूबरही, अंधराठाढ़ी, झंझारपुर, लखनौर आ मधेपुर प्रखंड क किसान लाभान्वित हेताह.
पश्चिमी कोसी नहर परियोजना कए योजना आयोग 1962 मे मंजूरी देने छल. 1972 मे एहि पर कार्य शुरू भेल छल. परियोजना क तहत जाहि नहर सब क निर्माण भेल, ओहि मे स बेसी सिंचाई क्षमता ह्रासित भ चुकल अछि. जुलाई 2020 मे राज्य सरकार द्वारा पश्चिमी कोशी नहर प्रणाली क अवशेष आ पुनर्स्थापन कार्य कए पूरा करेबा लेल 2372.528 करोड़ क पुनरीक्षित प्रशासनिक स्वीकृति देलक.
एहि पैघ परियोजना क पूर्ण भेला स मधुबनी क लौकही, खुटौना, बाबूबरही, फुलपरास, अधंराठाढी, घोघरडीहा, झंझारपुर, लखनौर, राजनगर, खजौली, पंडौल, बेनीपट्टी, हरलाखी, मधवापुर, कलुआही, रहीका, बासोपट्टी, बिस्फी आ दरभंगा क केवटी, मनीगाछी, दरभंगा सदर, बेनीपुर प्रखंड क किसान लाभान्वित हेताह.