मधुलता मिश्रा
पूर्णियां । राज्यक मुख्य सात टा एनएच पर काज चली रहल अहि, जाहि स पटना सहित राज्यक अन्य भाग मे आम लोकक आबाजाही मे सुबिधा हैत। जाम स सेहो छुटकारा भेटत, राज्यक अन्य इलाका सब स पटना पहुँच मे 4,से 5 घन्टाक समय लागत।
संगहि राज्यक आर्थिक ,सामाजिक और सांस्कृतिक उन्नति सेहो होयत । अहि सातो एनएच के अलावा करीब 50किमी के लंबाई के करीब 574 करोड़ रुपयाक ,पटना – बख्तियारपुर फोरलेंन के निर्माण लगभग पूरा भ चुकल अहि । दिसंबर 2020 में बनबाक एकर समय देल गेल रहय, लगभग काज पूरा भ चुकल अहि ,कुछ जगह पर पिचिंग के काज चली रहल छै। जे एनएच-30 क हिस्सा अहि। एनएचएआई क सूत्रक अनुसार सातो मुख्य एनएचक परियोजनाक क निर्माणक कार्य तेजी स चली रहल अहि। जाहि मे शामिल एनएच -31 पर बख्तियारपुर- मोकामा फोरलेन सड़कक काज करीब 44 किमी क लंबाई में करीब 637 करोड़क लागत पर निर्धारित कयल गेल अहि, ई दिसंबर 2021 मे पूरा करबाक समय अहि।
अहि निर्माण मे बहुतो समस्या रहय ,जेकरा सुलझेबाक प्रयास कयल जा रहल अहि। ओतहि एनएच -31 पर सिमरिया -खगड़िया फोरलेन सड़क क काज करीब 60 किमी क लंबाई मे करीब 567 करोड़ रुपया क लागत स जून 2021 मे कार्य सम्पन्न करवाक तय कैल गेल अहि। ई फोरलेन क बनला स पटना स खगड़िया तक आबाजाहीक लेल बहुत नीक सड़क उपलब्ध भ सकत। एकर संगही एनएच -107 पर पेव्ड शोल्डर सहित छू लेनक महेशखूंट -सहरसा -पूर्णिया पैकेज- एक आओर दू क निर्माण कुल करीब 178 किमी क लंबाई मे करीब 1380 करोड़ क लागत पर अक्टूबर 2021 तक पूरा करबाक तय कैल गेल अहि।
अहि मे मुख्य रूप स भागलपुर ,खगड़िया ,सहरसा ,
मधेपुरा आओर पूर्णिया जिला क लोक सब बेसी लाभ उठा सकता। जमीन अधिग्रहण क समस्या एनएच- 82 पर पेव्ड शोल्डर सहित दू लेनक बिहारशरीफ- बरबीघा- मोकामा सड़क क करीब 54 किमी क लंबाई मे करीब 297 करोड़क लागत मे दिसंबर 2020 तक कार्य पूरा करबाक बात छल, मुदा एकर निर्माण समय स पूरा नहि भ सकल। अहि कार्य मे जमीन अधिग्रहण क समस्या बाधा बनल जहि कारण कार्य पूरा करवा में विलंब भेल।
ओतहि एनएच -77 पेव्ड शोल्डर सहित दू लेन 82 किमी लंबा ,मुजफ्फरपुर -सोनवर्षा सड़क क 512 करोड़ रुपया क लागत स दिसंबर 2020 तक पूरा करबाक रहय पर अहू ठाम जमीन अधिग्रहण क कारण विलंब भ गेल। अगिला साल पूरा करवाक लक्ष्य
एनएच -527 सी पेव्ड शोल्डर सहित मझौली -चरौत सड़क क करीब 63 किमी क लंबाई मे 537 करोड़ क लागत पर नवंबर 2021 तक तैयार करवाक लक्ष्य अहि। एनएच-57ए पर फारबिसगंज -जोगबनी फोरलेन सड़क क निर्माण करीब 9 किमी क लंबाई मे करीब 247 करोड़ रुपया क लागत पर मार्च, 2021 तक पूरा करवाक लक्ष्य अहि।