बिहारक मिथिला क्षेत्रकेँ युवा सभ दिनांक 3/01/21 कए मैथिली भाषाक अनिवार्य शिक्षा क लेल ट्वीटर ट्रेंड अभियान चलाओल गेल, जाहि लेल मैथिल युवा क संथ संग पुरा देश आ नेपालक युवा सभ सेहो भाग लेलनि।
हजारों साल पुरान मैथिली भाषाकेँ 2003 मे संवैधानिक भाषा का दर्जा भेटल छल मुदा बिहार सरकारक हिन्दी थोपबाक कोशिश मैथिलीकेँ स्कुल मे नहि आबय देलक । मिथिला यानी संपुर्ण उत्तर बिहार क 18 सँ 20 जिला मे मैथिली अपने बिभिन्न बोली संगे बाजल जाएत अछि । क्षेत्रक सात करोड़ आबादी कए हिन्दी थोपिकए मातृभाषा मैथिली क पढ़ाई सँ वंचित राखल गेल। मैथिली भाषी कए मातृभाषा के रूप मे हिन्दी पढ़ाओल जाएत अछि मैथिली के स्थान पर। एहिक विरोध करैत मिथिलाक युवा सभ अपन मातृभाषा मैथिलीक अनिवार्य पढाई क लेल ट्वीट फार मिथिला अभियानकेँ तहत ट्वीटर पर #MaitthiliInPrimaryEducation केर आवाज उठोलनि, जाहिमे लाखो ट्वीट मैथिली भाषा के समर्थन मे कैल गेल । कैक घंटा तक #MaitthiliInPrimaryEducation ट्वीटर पर ट्रेंड होएत रहल ।