भागलपुर । नालंदा, राजगीर आओर गया क बाद आब सरकार पर्यटक लेल विक्रमशिला क खंडहर कए विकसित करबाक योजना तैयार केलक अछि। एहि संबंध मे भागलपुरक सांसद शहनवाज हुसैन पिछला कई साल स लागल छलाह। ओ एहि लेल मुख्यमंत्रीक नीतीश कुमार आ प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह स भेंट केने छलाह। प्रधानमंत्री कार्यालय क निर्देश पर भारतीय पुरतत्व सर्वेक्षण विभागक महानिदेशकक नेतृत्व मे एकटा टीम विक्रमशिलाक दौरा केलक अछि। एहि स्थलक उपेक्षाक सबस पैघ सबूत अछि जे महानिदेशक स्तरक कोनो अधिकारी 1974क बाद पहिल बेर एहि स्थलक दौरा केलथि अछि। भागलपुर जिलाक कहलगांव प्रखंड स्थित विक्रमशिला विश्वविद्यालय क खंडहर क दौरा करबाक बाद भारतीय पुरतत्व सर्वेक्षण विभागक महानिदेशकक केएन श्रीवास्तव कहला जे पर्यटनक हिसाब स एहि ठाम अपार संभावना अछि। ओ मानलथि जे उपेक्षाक कारण एहि ठाम आधारभूत संरचनाक अभाव अछि। एहि ठाम पहुंचबा लेल सड़क तक उपलब्ध नहि अछि। एकरा लेल ओ स्थानीय पदाधिकारी स मंत्रणा केलथि। ओ कहलथि जे संपर्क मार्गक विकासक बिना एकरा पर्यटनक मानचित्र पर आनब कठिन अछि। ओ कहलथि जे हुनकर विभाग शीघ्र बिहार सरकार संग एकटा बैठक करत, जाहि मे एहि पर विचार कैल जाइत जे एकरा कोना विकसित कैल जा सकैत अछि। ओ आश्वासन देलथि जे विक्रमशिलाक विकास आ एहि ठाम पर्यटनक सुविधाक विकास योजना तैयार अछि, सरकार स गप भेलाक बाद एहि पर काज शुरू कैल जाइत।