उज्ज्वल कुमार
पटना। पटना मे तेसर रोजगार मेला शुरू भ गेल। एहि मेला मे देशक की कईटा पैघ कंपनी 25 हजार बेरोजगार नौजवान कए नौकरी बांटत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकर उद्घाटन श्री कृष्ण मेमोरियल हॉल मे केलथि। एहि अवसर पर डिप्टी सीएम सुशील कुमार मोदी आ श्रम मंत्री अवधेश नारायण सिंह सेहो उपस्थित छलाह। दू दिवसीय एहि मेला मे एक लाख युवा पटना मे कैंप केने रहलाह। पटना क सड़क पर युवक क फौज देखल गेल। उदघाटन क मौका पर अवधेश नारायण सिंह कहलथि जे एकर अवधि बढ़ेबाक सोचल जाए।
नियोक्ता बनथि बिहारी युवक
आइ त अहां नौकरी करू, मुदा भविष्य मे अहां दोसर क लेल नौकरीक सृजन करू। रोजगार मेलाक उद्घाटन मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार युवक कए अपन संदेश मे इ आग्रह केलथि। डिप्टी सीएम सुशील कुमार मोदी कहला जे बिहारी युवक कए आईटी एजुकेशन पर ध्यान देबाक चाही। श्रम मंत्री कहला जे बिहारी युवक क स्किल कए विकसित करबा लेल इग्नू क संग मिलकए चारि सौ ट्रेनिंग सेंटर शुरू कैल जा रहल अछि। सबटा आइआइटी मे इंग्लिश आ कंप्यूटर एजुकेशन क व्यवस्था कैल जा रहल अछि।
पिछला साल 2215 लोक कए भेटल छल नौकरी
पिछला दू मेला मे बमुश्किल 2215 गोटे कए नौकरी भेटल अछि। ओहि मेला मे मात्र 65 कंपनी भाग लेने छल, मुदा एहि बेर सवा सौ कंपनी क 25 हजार नौकरी क संग आयल अछि। कंपनीक कहब अछि जे वाकई बिहार मे मेधा अछि। बस दरकार अछि त मौका भेटबाक। श्रम मंत्रालयक प्रधान सचिव व्यास जी कहला जे मंदी क तिलिस्म खत्म भ चुकल अछि, राज्य पर कंपनीक भरोसा बढ़ल अछि।