पटना। मानदेय बढ़ेबा क मांग कए लकए पटना मेडिकल कॉलेज आ अस्पताल (पीएमसीएच) क जूनियर डॉक्टरों क बेमियादी हड़ताल शनिदिन सांझ खन समाप्त भ गेल। बिहार राज्य स्वास्थ्य सेवा संघ (भासा) आ इंडियन मेडिकल एसोसिएशन (आईएमए) क हस्तक्षेप पर डॉक्टर काज पर लौटबाकनिर्णय लेलथि अछि। मुदा पंद्रह दिन मे सरकार मांग नहि मानल त डॉक्टर फेर बेमियादी हड़ताल पर चल जेताह। भासा आ आईएमए सेहो हुनका समर्थन देत। जूनियर डॉक्टर क हड़ताल क कारण पिछला 12 दिन स पटना मेडिकल कालेज आ अस्पताल आओर दरभंगा मेडिकल कालेज अस्पताल (डीएमसीएच) मे चिकित्सा व्यवस्था चरमरा गेल छल। स्थिति तखन गंभीर भ गेल जखन जूनियर डाक्टर राज्य मानवाधिकार आयोग क निर्देश कए सेहो अनसुना करि देलथि। स्थिति बिगड़ैत देखि भासा आ आईएमए पहल केलक। भासा आ आईएमए क संग जूनियर डाक्टर क शनिदिन बैठक मे एकटा प्रस्ताव तैयार भेल जाहि पर सब गोटे हस्ताक्षर केेलक। एहि प्रस्ताव क प्रति राज्य सरकार कए उपलब्ध करा देल गेल अछि। बिहार राज्य स्वास्थ्य सेवा संघ क अध्यक्ष डॉ रामनगीना प्रसाद सिंह, संयोजक डॉ अजय कुमार, संयुक्त सचिव डॉ कुमार अरूण आ कार्यकारिणी सदस्य डॉ राजेश सिंहा, आईएमए क प्रदेश अध्यक्ष डॉ रमेश प्रसाद सिंह, सचिव डॉ अशोक यादव, संयोजक डॉ हरिहर दीक्षित, डॉ डीके चौरसिया सहित कई जूनियर डाक्टर उपस्थित छलाह। डॉक्टर क दूनू पैघ संगठन सरकार स अपील केलक अछि जे जूनियर डॉक्टरों क स्टाइपेंड 25 हजार टका प्रति माह करबाक आ केन्द्र सरकार क भांति रेजिडेंसी स्कीम लागू करबाक मांग 15 दिन क भीतर मानि लेल जाए।