वर्ष 2015 तक पूरा होयत परियोजना, खत्म होयत सिलिंडर युग
नई दिल्ली। बिहारक आठ टा शहर मे अगिला पांच साल मे सिलिंडर युग खत्म भ जाइत। सरकार एहि शहर पर गैस पाइप लाईन बिछा कए भनसाघर तक गैस पहुंचेबाक योजना कए मंजूर करि लेलक अछि। सरकार आइ लोकसभा मे एहि गपक जानकारी देलक। पेट्रोलियम एवं प्राकृतिक गैस राज्य मंत्री जितिन प्रसाद प्रश्न काल क दौरान कहलथि जे देश मे गैस पाइप लाइन क जाल बिछाबा लेल विजन 2015 कए अंतिम रूप दे देल गेल अछि। ओ कहला जे गेल इंडिया लिमिटेड क संयुक्त उद्यम सहित केन्द्र सरकार द्वारा अधिकृत नगर गैस वितरण कंपनी पाइप लाइन क नेटवर्क क विस्तार क लेल काज करि रहल अछि। एहि काज क लेल किछु आओर कंपनी कए अधिकृत करबाक काज पेट्रोलियम एवं प्राकृतिक गैस विनियामक बोर्ड द्वारा कैल जायत। प्रसाद कहला जे जाहि बिहारक जहि बाठ शहर मे 2015 तक पाइप लाइन बिछाउल जाइत ओहि मे पटना, गया, सासाराम, औरगाबाद, बरौनी, भागलपुर, मुजफ्फरपुर आओर दरभंगा अछि।