पटना। केंद्र सरकार, जे अपन अक्ष्य ऊर्जा क्षमता क विस्तार क कोशिश करि रहल अछि, एहि संदर्भ मे बिहार मे धान क भूसी स 200 मेगावाट बिजली पैदा करबाकयोजना क अनावरण कएल गेल। नवीन आ नवीकरणीय ऊर्जा क सचिव दीपक गुप्ता कहला जे नवीन आ नवीकरणीय ऊर्जा मंत्रालय गंभीरता स एहि पर काज करि रहल अछि आ एहि परियोजना क आगू बढ़ेबाक लेल बिहार मे धान क भूसी स 200 मेगावाट बिजली पैदा करबा लेल तैयार अछि। बिहार मे बायोमास गैसीफायर योजना पर बैठक में भाग लेब लेल आएल गुप्ता कहलथि जे बिहार क लेल धान क भूसी स 200 मेगावाट बिजली पैदा करबाक क्षमता अछि। ओ कहलथि जे इ शीघ्र संभव भ सकैत अछि।
ओ कहलथि जे एहि अभिनव परियोजना क तहत कम कीमत पर बिजली पैदा कएल जाएत आ लोक कए सस्ता दर पर बिजली उपलब्ध कराउल जाएत।
संगे इ परियोजना यदि सही स चलै लागत त राज्य बिजली क मामला मे आत्मनिर्भर भ जाइत आ एहि ठाम अतिरिक्त रोजगार क अवसर सेहो पैदा होइत। ओ कहलथि जे पश्चिम चंपारण जिला मे 50 टा स बेसी गांव में पहिने स चावल क भूसी से बिजली पैदा कएल जा रहल अछि।
ब्रिटेन क गैर सरकारी संगठन शेल फाउंडेशन चावल क भूसी स बिजली क उत्पादन क लेल वित्तीय आ तकनीकी सहायता करबाक इच्छुक अछि।