नई दिल्ली। बिहार मे प्राथमिक शिक्षक पद पर भर्ती क राह देख रह उम्मीदवार लेल खुशखबरी। बुधदिन सुप्रीमकोर्ट बिहार सरकार कए 34540टा पद पर प्रशिक्षित शिक्षक क भर्ती क आदेश देलक अछि। कोर्ट राज्य सरकार कए अमल क निर्देश दैत छह सप्ताह मे रिपोर्ट मंगलक अछि।
न्यायमूर्ति अल्तमश कबीर आ न्यायमूर्ति एचएल दत्तू क पीठ बिहार मे प्राथमिक शिक्षक भर्ती विवाद मे फैसला सुनबैत कहला जे राज्य सरकार 18 आओर 23 जनवरी 2006 कए सुप्रीमकोर्ट मे प्रशिक्षित शिक्षक क भर्ती क अंडरटेकिंग देने छल। राज्य सरकार ओ अंडरटेकिंग स बाध्य अछि। कोर्ट राज्य सरकार द्वारा वर्ष 2003 क भर्ती विज्ञापन मे देल गेल 34540 रिक्ति क संख्या कए सेहो सही मानलक अछि। पीठ राज्य सरकार कए ओ विज्ञापन संख्या क आधार पर प्रशिक्षित शिक्षक क भर्ती करबाक निर्देश देलक अछि। भर्ती वरिष्ठता क आधार पर होएत। पीठ राज्य सरकार कए आदेश पर अमल करिकए छह सप्ताह मे कोर्ट कए रिपोर्ट सौंपबाक निर्देश देलक अछि। पीठ राज्य सरकार क खिलाफ दाखिल अवमानना याचिका कए एखन निस्तारित नहि केलक अछि। अवमानना याचिका लंबित अछि।
मामला किछु एखन छल
वर्ष 2003 मे राज्य सरकार शिक्षक क 34540टा पद पर भर्ती क लेल विज्ञापन निकाललक आ आवेदन आमंत्रित केलक। विज्ञापन प्रशिक्षित आ गैर प्रशिक्षित दूनू तरह क उम्मीदवार क भर्ती क लेल छल। हाईकोर्ट गैर प्रशिक्षित शिक्षक कए भर्ती कए अनुचित ठहरा विज्ञापन अधिसूचना रद्द करि देलक आ राज्य सरकार कए प्रशिक्षित शिक्षक क भर्ती क निर्देश देलक। मामला सुप्रीमकोर्ट आयल आ सुप्रीमकोर्ट सेहो प्रशिक्षित शिक्षक क भर्ती पर अपन मुहर लगा देलक। सुप्रीमकोर्ट क आदेश क बाद सेहो बिहार सरकार शिक्षक क नियुक्ति नहि केलक। तखन याचिकाकर्ता सुप्रीमकोर्ट मे इ अवमानना याचिका दाखिल केलथि आ आदेश पर अमल करेबाक अनुरोध केलथि। सुनवाई क दौरान राज्य सरकार भर्ती मे असमर्थता जता लगातार एतबा दलील दैत रहल जे ओकरा लग प्रशिक्षित शिक्षक क भर्ती क लेल एतबा पद रिक्त नहि अछि। मुदा सुप्रीमकोर्ट ओकर इ दलील नहि मानलक आ कहलक जे राज्य सरकार स्वयं अपन विज्ञापन मे 34540 रिक्ति क गप स्वीकार करैत अछि। एहि लेल राज्य सरकार एतबा पद पर प्रशिक्षित शिक्षक क भर्ती करे।
Bahut besi khusi ke baat je Sarvochchya Nyayalay prakshit shikshak ke baat manlak, kiyak te sikshak me bharti sirf prahikshit teacher ke hewak chahi nahi ki aprakshit teacher ke Doctor ke kaj te okra dispensary par rahay wala soho sikh lait achhi ekra matlab ee nahi je o doctor bhay gel