बिहारक विकास पर आयोजित कार्यशाला मे होइत मंथन
प्रीतिलता मल्लिक
पटना । लंदन स्कूल आफ इकोनोमिक्स 17 दिसंबर कए पटना मे बिहार विकास दिवस पर कार्यशाला आयोजित केलक अछि। विकेंद्रीकरण, उत्तरदायित्व, सामाजिक सेवा, निजी क्षेत्र क विकास, ग्रामीण विकास आ बिहारÓ विषय पर आयोजित कार्यशाला मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ उप मुख्यमंंत्री सुशील कुमार मोदी सेहो हिस्सा लेताह। स्थानीय मौर्या होटल सभागार मे आयोजित एहि कार्यशाला मे लंदन स्कूल आफ इकोनोमिक्स क प्रोफेसर कअलावा इंटरनेशनल ग्रोथ सेंटर क सदस्य आ दुनियाभरि क विद्वान सेहो हिस्सा लेताह।
लंदन स्कूल आफ इकोनोमिक्स क टीमक सदस्य बुधदिन साढे 10 बजे भोर मे ऊर्जा सचिव स भेट केलथि। 11 बजे दिन ओ मुख्य सचिव अनुप मुखर्जी और विकास आयुक्त नवीन कुमार स भेंट केलथि। दुपहरिया मे ओ बैंककर्मी आ सांझ खन सिविल सोसायटी क सदस्य स बिहारक विकास पर चर्चा केलथि। आद्री क सहयोग स आयोजित भ रहल एहि कार्यशाला मे एलएसइ क प्रोफेसर रोबिन वर्गीज, हार्वर्ड विश्वविद्यालय क प्रोफेसर रोहिणी पांडेय, शिकागो विश्वविद्यालय क प्रोफेसर चांग ताइ सेह, येल विश्वविद्यालय क अर्थशास्त्री डा मुशफिक मोबारक, लंदन स्कूल आफ इकोनोमिक्स क सह निदेशक डा ग्रेग फिशर, हैरिस स्कूल क एसोसिएट प्रोफेसर डा एस मेनेडेज आदिक व्याख्यान होयत।