पटना। बिहार क 2,500 टा राजकीय मध्य विद्यालय कए अगिल वर्ष तक उच्च विद्यालय मे तब्दील करि देल जाइत। राज्य क मानव संसाधन विकास मंत्री हरिनारायण सिंह कहलथि जे वर्तमान सरकार पिछला चारि टा वर्ष मे सब टा कए शिक्षा उपलब्ध करबाकनीति क तहत 15,500 टा नव विद्यालय खोललक अछि। ओ कहलथि जे विद्यालय मे शिक्षक क कमी कए देखैत सरकार 2.12 लाख शिक्षक क नियुक्ति केलक अछि। ओ कहलथि जे छात्र क उच्च शिक्षा देबाक मद्देनजर अगिल मार्च तक 2,500 टा राजकीय मध्य विद्यालय कए उच्च विद्यालय मे तब्दील कएल जाएत। ओ कहलथि जे विद्यालय मे 82,000 टा कमरा क निर्माण कराउल गेल अछि, जखनि कि उच्च विद्यालय क करीब 10 लाख टा छात्र-छात्रा कए साइकिल देल गेल अछि। ओ कहलथि जे राज्य मे 12वीं तक क सरकारी विद्यालय क भवन क निर्माण निविदा द कए कएल जाइत। ओ कहलथि जे एक किलोमीटर क परिधि क भीतर प्राथमिक विद्यालय खोलबाक योजना पर सरकार काज क रहल अछि। ओ कहलथि जे प्राथमिक विद्यालय मे चारि वर्ष क अंदर ढाई गुणा छात्र क इजाफा भेल अछिं।