• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार क मदद लेल अमेरिका तैयार

February 5, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020


पटना। अमेरिकी राजदूत तिमोथी जे रोमर दू दिनक यात्रा पर बिहार पहुंचलाह अछि। इ कोनो अमेरिका राजदूतक निवेश संबंधि चर्चा लेल पहिल बिहार दौरा छी। एक दशक पूर्व अमेरिकी राजदूत प्रदेश क दौरे पर आयल छलाह, मुदा ओ दौरा पर्यटनक नजरि स छल। अमेरिकी राजदूत तिमोथी जे रोमर नीतीश सरकार क कार्य पर सराहना क मुहर लगबैत कहला जे विकासक बाट पर चलि रहल बिहारक सहयात्री बनाबा लेल अमेरिका तैयार अछि। राजदूत रोमर कहला जे अमेरिका बिहार क विकास मे हर संभव मदद करत। रोमर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स घंटा भरि गप करलाक बाद पत्रकार क सवालक उत्तर द रहल छलाह। राष्ट्रपति बराक ओबामा क मंशा स अवगत करबैत ओ कहला जे बिहार सन कम विकसित राज्य क अमेरिका विकास चाहैत अछि।
पत्नी सैली रोमर आ अन्य अफसर क संग पहुंचल अमेरिकी राजदूत मुख्यमंत्री क संग विकास क मुद्दा पर गंभीर चर्चा केलथि। रोमर कहला जे नीतीश क नेतृत्व मे बिहार आधारभूत संरचना, स्वास्थ्य, शिक्षा, ग्रामीण विकास, डेयरी आ ई-शक्ति क क्षेत्र मे बहुत प्रगति केलक अछि। 11.3 प्रतिशत क विकास दर बता रहल अछि जे सूबा प्रगति क दिस अग्रसर अछि। कानून व्यवस्था क क्षेत्र मे सेहो सुधार भेल अछि। नीतीश क संग बैठक मे रोमर मुख्यमंत्री स प्रदेश क विकास क मंत्र जनबाक इच्छा प्रकट केलथि। नीतीश क जवाब छल, न्याय क संग विकास। ओ राजदूत स अनुरोध केलथि जे अमेरिकी निवेशक कए बिहार मे एबा लेल प्रोत्साहित करू। रोमर हुनका शिक्षा, ऊर्जा, कृषि, फूड प्रोसेसिंग, आधारभूत संरचना आदि क्षेत्र मे अमेरिकी निवेश शीघ्र हेबाक भरोस देलथि। बैठक मे अमेरिका क वाणिज्य दूत मैथ्यू असद, मिशन डायरेक्टर यूएस एड इरिनसोटो आ कैबिनेट सचिव अफजल अमानुल्लाह सेहो उपस्थित छलथि।

Tags: americaBiharpatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

अंतरराष्ट्रीय बौद्ध धर्म सम्मेलन नालंदा मे

Esamaad Epaper Website

जयनगर आ बेतिया मे लागि रहल अछि गैस आधरित बिजली प्लांट

शीर्ष 50 हजार मे पहिल बेर पहुंचल मैथिली

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि