पटना। जनता दल-यू राष्ट्रीय प्रवक्ता शिवानंद तिवारी कहला अछि जे पार्टी मे शांति लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए पहल करबाक चाही। हाल क प्रकरण मे असगर ललन दोषी नहि छथि। नीतीश क सेहो दोष अछि। हुनका ललन सिंह स गप करबाक चाही। एहन मे ओ छोट नहि भ जेताह। शिवानंदक कहब अछि जे बिहार क हित मे नीतीश क दोबारा मुख्यमंत्री बनब बहुत जरूरी अछि आ एहि लेल पार्टी मे शांति आवश्यक अछि। करीब चारि माह बाद पार्टी क प्रदेश कार्यालय पहुंचल तिवारी ललन सिंह क पक्ष मे खुलिकए बजलाह। ओ कहलाह जे सिंह जे सवाल उठेलथि अछि ओ बेबुनियाद नहि अछि। ओ पुरान संगी छथि। हुनकर जवाब नहि दकए नीतीश कुमार सेहो गलती केलथि अछि।
तिवारी कहला जे ओ पिछला चारि माह स मुख्यमंत्री निवास नहि गेलाह अछि। एहि बीच केवल तीन बेर मुख्यमंत्री स गप भेल अछि। ओ कहला जे सामाजिक न्याय कए जाति क दायरा मे बांधि कए देखल जा रहल अछि। ललन सिंह भूमिहार छथि, लेकिन कर्पूरी ठाकुर क जमाने स आरक्षण क लेल आंदोलन क संगि छथि। हम ब्राह्माण छी, मुदा हरदम सामाजिक न्याय क गप केलहुं अछि। मुदा मुख्यमंत्री क उपस्थिति मे एकटा कार्यक्रम मे आपत्तिजनक गप कहल गेल आ ओ एकर विरोध नहि केलथि।
शिवानंद तिवारी कहला जे एहि सबहक बावजूद प्रदेश हित मे नीतीश कुमार क मुख्यमंत्री बनल रहब बहुत जरूरी अछि। एहि विवाद स चुनाव मे नुकसान भ सकैत अछि।
दोसर दिन ललन सिंह कहला अछि जे युद्ध क मैदान मे कोनो घायल सिपाही (कार्यकता) क संग नहि उतरब। घायल सिपाही कए मरहम लगाएब असल मुद्दा अछि। ओकर समस्या क निराकरण हेबाक चाही।