• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

रैयाम आ सकरी चीनी मिल क जीर्णोधार शुरू

February 12, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

केवटी । मिल खुलबाक बाट ताकिरहल पथरायल आंखि मे रोशनी जगल अछि। बंद पड़ल रैयाम चीनी मिल क चालू हेबाक प्रक्रिया शुरू भ गेल। हस्तांतरण क लेल विगत 10 फरवरी कए तिरहुत इंडस्ट्रीज लिमिटेड द्वारा 91 लाख 10 हजार क ड्राफ्ट प्रिंसिपल सेक्रेट्री गन्ना उद्योग विभाग बिहार सरकार कार्यालय मे जमा भेलाक उपरांत कंपनीक प्रबंध निदेशक प्रदीप कुमार चौधरी शिवरात्रि क शुभ अवसर पर रैयाम पहुंचलाह आ चीनी मिल क निरीक्षण करि मिल क भूमि क स्थिति क जायजा लेलथि। एहि क्रम मे प्रबंध निदेशक चौधरी मिल परिसर मे तत्काल इजोत अनबा लेल जेनरेटर लगेबाक निर्देश देलथि। संगहि गन्ना तौल मशीन क मरम्मत आ क्षमता बढ़ेबा लेल कार्रवाई शुरू केलथि। दोसर दिन सुरक्षा व्यवस्था क पुख्ता इंतजाम क लेल सेहो पहल प्रारम्भ कैल गेल अछि। चौधरी मिल क करीब 68 एकड़ प्रांगण सहित विभिन्न पंचायत मे पड़ल मिल क जमीन क संबंध मे मिल क कार्यालय सचिव गणपति मिश्र स जानकारी लेलथि। कार्यालय सचिव मिश्र संबंधित जमीन क ब्योरा आ नक्शा प्रबंध निदेशक कए देलथि। प्रबंध निदेशक मिल मे गन्ने क पेराई क लेल उन्नत किस्म क गन्ना क लेल एक हजार एकड़ भूमि क चयन क लेल पांच किमी क अंदर क किसान क चयन क लेल प्रक्रिया शुरू करि देलथि अछि। प्रबंध निदेशक कहला जे किसान कए नीक किस्म क बीज उपलब्ध करेबाक पहल आइ स शुरू करि देल गेल अछि।
दोसर दिस रैयाम चीनी मिल क निवर्तमान जीएम एसएन लाल रकम जमा हेबाक पुष्टि करैत कहला जे रैयाम चीनी मिल क हस्तांतरण क राशि 9 करोड़ 11 लाख, गन्ने उद्योग लगेबा लेल आ सकरी लेल 18 करोड़ 25 लाख, फूड प्रोसेसिंग स संबंधी इंडस्ट्रीज लगेबा लेल निर्धारित अछि। रकम बिहार सरकार क खजाने मे जमा भ रहल अछि। एहि दौरान निर्देशक राजेश चावला आ अशोक चौधरी सेहो मौजूद छलाह।

Tags: Bihardarbhangamadhubanisakrisugar

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

5400 पोखरि मे पोसल जाएत माछ

Esamaad Epaper Website

विशेष अदालत मे होएत भ्रष्टाचार मामला क सुनवाई

Esamaad Epaper Website

पटना मे अछि एक हजार करोड़ टकाक कोचिंग कारोबार

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि