पटना । बिजली क कमी स जूझ रहल बिहार कए उम्म्ीद जगल अछि। एहि समस्या स किछु राहत भेटबाक बाट खुलल अछि। कांटी स्थित बिजली घर कए केंद्र सरकार स कोल लिंकेज भेट गेल अछि। संगहि, जीर्ण अवस्था मे पहुंच चुकल एहि ताप बिजली घर क पुननिर्माण क काज सेहो शुरू भ गेल। ऊर्जा विभाग क प्रधान सचिव रविकांत कहला,’हमरा एखन धरि जे जानकारी अछि ओकर मुताबिक कांटी कए कोल लिंकेज भेट गेल अछि आ हमसब जल्दी स जल्द एहि प्लांट स बिजली क उत्पादन शुरू करि देब।Ó राज्य सरकार क शिकायत रहल छल जे ओकर बिजली घर क लेल कोल लिंकेज नहि भेट रहल अछि।
ओ कहला, ‘राज्य मे लगै वाला दोसर बिजलीघर 2012 स पहिने चालू नहि होइ वाला अछि। एहि लेल एहि परियोजना क लेल कोयला भेट सकल अछि। बिहार स्टेट इलेक्ट्रिसिटी बोर्ड (बीएसईबी) क संयुक्त निदेशक अरुण कुमार सिन्हा क कहब अछि जे बिहार कए एहि समय 2,000 मेगावॉट स बेसी बिजली क जरूरत अछि, मुदा केंद्र सरकार स हमरा 900-1,000 मेगावॉट बिजली भेटि रहल अछि। हमर त अपन 1,600 मेगावॉट क कोटा स सेहो कम बिजली भेटि रहल अछि। हमर अपन बिजली घर (कांटी आ बरौनी) मे एहि समय मरम्मत आ क्षमता विस्तार क काज चलि रहल अछि। बीएसईबी क कांटी आ बरौनी बिजली घर क कुल क्षमता 440 मेगावॉट अछि, मुदा मरम्मत क कारण स दूनू बंद अछि। पड़े हुए थे। सिन्हा ने बताया कि, ‘इस वक्त कांटी बिजली घर की 110 मेगावॉट की क्षमता वाली एक इकाई से 80 मेगावॉट बिजली का उत्पादन शुरू हो गया है। वहीं, बरौनी में भी एक यूनिट से उत्पादन शुरू हो गया है।’ इसके अलावा, बोर्ड अब इन बिजली घरों की क्षमता में विस्तार भी कर रहा है।