पटना । आर्सेनिकपीडि़त भोजपुर क 39टा गाम क लोक कए मार्च स शुद्ध जल नसीब होएत। लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण विभाग मल्टी विलेज स्कीम क तहत शुद्ध जल मुहैया करेबाक काज शुरू केलक अछि। 90 प्रतिशत काज भ चुकल अछि। पीएचइडी मंत्री अश्विनी चौबे कहला जे बक्सर, पटना आ वैशाली जिला क सेहो 200 आर्सेनिकपीडि़त गाम मे इ योजना शुरू होएत। बक्सर क 130 गाम /टोला, पटना क ग्रामीण इलाक क 25 आ वैशाली क 45 गाम मे इ योजना जल्द शुरू होएत। एहि तरह क गाम मे सोलर पंप स्थापित कैल जाएत आ ओहि स शुद्ध पेयजल क आपूर्ति होएत।