रेल बजट मे राष्ट्रीयता क नाम पर बंगालवाद
ममता बनर्जी अपन रेल बजट मे राष्ट्रीयताक ध्यान रखैत पूरा बजट बंगालवाद स ओतप्रोत रखलथि। राज ठाकरेक डर स मुंबई लेल करीब 150 नव ट्रेन देलथि अछि। संगहि क्षेत्रीय भाषा मे रेलवे क परीक्षा देबाक एलान सेहो केलथि अछि। एहि व्यवस्था स मैथिली कए फायदा होएत बा नहि इ एखन स्पष्टï नहि भ सकल अछि। कुल मिला कए बिहार एक बेर फेर ठका गेल। लालू, नीतीश आ पासवान सहित बिहारक नेता कए इ सोचबाक चाही जे यात्री संख्या आ क्षेत्रफलक हिसाब स बिहार रेल पटरीक धनत्व मे एखनो पाछु किया अछि। ओना एहि मामला मे उत्तरप्रदेश सेहो बिहारक संग अछि। एकर कारण साफ अछि जे एहि दूनू राज्य मे राष्ट्रीय नेता बेसी भेलथि अछि। ओना ममता दीदी चमचागिरीक तहत रायबरेली आ अमेठी कए किछु विशेष देलथि अछि, मुदा क्षेत्रफलक हिसाब स उत्तरप्रदेश कए सेहो किछु खास नहि भेटल। ओना उम्मीदक यात्री आ माल भाड़ा नहि बढ़ाउल गेल अछि। कुल मिला कए बंगाल कए सात टा नव कारखाना भेटल अछि।
मुख्य गप
ममता तोड़लथि लालूक रिकार्ड, बंगाल कए छोडि़ सबहक केलथि खानापूर्ति
बंगाल कए जोड़बा लेल ढाका स नव ट्रेन, मुदा मिथिला कए जोड़बा लेल शुरू भेल योजना शिथिल केलथि।
रविंद्र नाथक 150वीं वर्षगांठ पर चारिटा योजना, मुदा राजेंद्र प्रसाद पर कोनो ध्यान नहि
चमचागिरी क हद, सोनिया, राहुल क क्षेत्र मे कारखाना, मुदा जगजीवन राम क नामक मात्र मीरा कुमार स उल्लेख
कर्मभूमि दरभंगा कए भेटल, मुदा दूरंतो लेल तरसल मिथिला
रांची- जयनगर व कोलकाता-दरभंगा लेल नव ट्रेन, मुदा जयनगर-जनकपुर परियोजना शिथिल।
मिथिला मे कोनो नव लाइन नहि बनत
मिथिला मे नव लाइन लेल सर्वे सेहो नहि
बिहार लेल कोनो नव कारखाना नहि
बोटलिंग प्लांट, कोच फैक्टरी, रेलवे ट्रेनिंग सेंटर सहित सबटा नव प्रोजेक्ट प बंगाल सहित देशक आन हिस्सा लेल
भारत तीर्थ नामक नव ट्रेन मात्र पटना साहेब लेल।
रेल बजट पर विशेष रपट शीघ्र….