पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एलान केलथि अछि जे बिहारी कए रोजगार क लेल देश क कोनो हिस्सा मे जेबा स कोई रोक नहि सकैत अछि। आखिर संघ लोक सेवा आयोग क माध्यम स बिहार मे सेहो त दोसर राज्य क अधिकारी अबैत छथि। ओ कहला जे बिहार क छात्र अपन मेरिट क बदौलत विभिन्न राज्य मे नौकरी प्राप्त करि रहल छथि। हिनकर प्रतिभा स किछु लोक कए ईष्र्या हुए लागल अछि। ओ कहला जे रोजगार क लेल प्रदेश क बाहर जाइवाला युवकक संग जे किछु भ रहल अछि ओकरा राज्य सरकार गंभीरता स ल रहल अछि। सम्बन्धित राज्य सरकार क रुख सेहो सहयोगात्मक रहल अछि। इम्फाल मे नौकरी क लेल गेल युवककपिटाई मामला पर मुख्यमंत्री कहला जे विरोध एहि गप क द्योतक अछि जे बिहारी प्रतिभा स लोग डेरा गेल अछि। एहन मे बिहार क लोक कए संयम रखबाक आ एकजुट रहबाक जरूरत अछि। मुख्यमंत्री कहला जे बिहार क लोकक अलग मिजाज अछि, हम ककरो पर हमला नहि करैत छी। ओ कहला बिहार सरकार अपन छात्र कए पुलिस सुरक्षा मे दोसर राज्य नहि पठा सकैत अछि, हमर छात्रक सुरक्षा क जिम्मेवारी सम्बन्धित राज्य सरकार क छी।
गुवाहाटी मामलाक फेर स जांच होएत
बिहारी छात्र क संग गुवाहाटी मे घटल घटना क संबंध मे जल संसाधन मंत्री विजेंद्र प्रसाद यादव कहला अछि जे अगर गृह सचिव कए दोबारा आवेदन भेटत त एहि घटना क फेर स जांच कराउल जाएत। ओ कहला जे घटना क संबंध मे असम क मुख्य सचिव आ गृह सचिव कए तुरंत जानकारी द देल गेल छल। जांच क पश्चात ओ कहला जे बिहारी छात्र क संग कोनो घटना नहि घटल, बल्कि ट्रेन मे ओकर सर्टिफिकेट चोरी भ गेल छल। मुदा पीडि़त क दिस स अगर गृह सचिव कए आवेदन भेटत त दोबारा असम क गृह सचिव कए जांच क लेल कहल जाएत। ज्ञात हुए जे नालंदा निवासी शैलेश कुमार प्रियदर्शी साक्षात्कार क लेल जखन इम्फाल जाइत छलाह त गुवाहाटी स्टेशन पर स्थानीय युवक हुनकर पिटाई करि देलक आ सर्टिफिकेट फाडि़ देलक। इ घटना 8 मार्च क अछि। शैलेश बिना इंटरव्यू देने गुवाहाटी स पटना लौट एलाह। हुनकर कहब अछि जे स्थानीय युवक क दबाव मे गुवाहाटी रेलवे पुलिस हुनका स जबरदस्ती सर्टिफिकेट चोरी हेबाक एफआईआर लिखबा लेलक।