पटना। एहन बहुत कम देखबा मे भेटैत अछि, जखन कोनो राज्य कैबिनेट द्वारा एक दिन मे 15टा विधेयक कए मंजूरी द देल जाए। पटना विधानसभा मे कोचिंग विधेयक, पूर्व मुख्यमंत्री कए आजीवन आवास आ सुरक्षा मुहैया करेबाकसंबंधित विधेयक, बिहार संपत्ति विरूवण निवारण विधेयक, राज्य सरकार द्वारा आकस्मिक निधि कए बढ़ाकए 1500 करोड़ करबा संबंधी विधेयक सहित कुल 15टा विधेयक कए मंजूरी द देल गेल। सरकार एक दिन मे 7 घंटा क अंदर 15टा विधेयक कए मंजूरी द एक तरह स इतिहास रची देलक। कईटा विधेयक पर त सदन मे चर्चा तक नहि भ सकल।
राज्य कैबिनेट से पास विधेयक मे स सबस खास रहल पूर्व मुख्यमंत्री कए जीवनपर्यन्त आवास क सुविधा आ सुरक्षा संबंधित विधेयक। पटना शहरी इलाका मे आवास क संग हुनकर घर पर सुरक्षा गार्ड क सेहो तैनात रहत। एकर अलावा राज्यक भीतर यात्रा करबा लेल बुलेटफ्रूफ, पालट गाड़ी, स्कॉट क सेहो सुविधा देल जाएत। सरकारक एहि फैसला पर राजद नेता रामकृपाल यादव क कहब अछि जे बिना बहस क विधेयक कए मंजूरी देब लोकतंत्र क खिलाफ अछि।