पटना। नेशनल बैंक फोर एग्रिकलचर एंड रूरल डेवेलपमेंट (नाबार्ड) बिहार क ग्रामीण क्षेत्र क विकास क लेल वित्तीय वर्ष 2010-11 क दौरान 22,159 करोड़ किसान कए ऋ ण क रूप मे मुहैया कराउत। एहि मे फसल ऋ ण क लेल 11,968 करोड़, कृषि क लेल 6,290 करोड़ होएत। इ जानकारी नाबार्ड क मुख्य प्रबंधन अधिकारी एमएम मिश्र देलथि अछि। डॉ मिश्र कहला जे आर्थिक विकास, आधारभूत सुविधा, स्वास्थ्य, शिक्षा क माध्यम स गाम क विकास क लेल नाबार्ड विशेष पहल करै जा रहल अछि। जाहिमे राज्य क 67 गाम कए समग्र विकास क लेल पहचान कैल गेल अछि। एकर संगहि 5-6 गोटा क एकटा ग्रुप बनाकए एकरा बैंक स जोड़ल जाएत। एकर अलावा नाबार्ड क दिस स ग्रामीण हाट क व्यवस्था सेहो कैल जाएत, ताकि बाढ़ क समय मे लोक कए अपन उत्पाद बेचबा मे परेशानी न हुए।