पटना। बिहार क दू दर्जन स बेसी शहर क किस्मत चमकत । एहि शहर मे आधारभूत संरचना क विकास क लेल विदेशी मदद भेटबाक बाट साफ भ गेल अछि। नीतीश सरकार कुल 1625 करोड़ क राशि स एहि शहर क आर्थिक उन्नयन क संग संग गरीबी उन्मूलन आ बेहतर नागरिक सुविधा जुटेबा क खाका तैयार केलक अछि। जानकारी भेटल अछि जे एहि शहर क विकास मे ब्रिटिश सरकार क डिपार्टमेंट फार इंटरनेशनल डेवलपमेंट [डीएफआईडी] बिहार सरकारक मदद करत। राज्य सरकार आ डीएफआईडी क बीच जे सहमति बनल अछि ओकर अनुसार 28टा शहर मे छह साल क भीतर डीएफआईडी छह करोड़ पाउंड अर्थात करीब 425 करोड़ टका खर्च करत। एहि अवधि मे राज्य सरकार कए 1200 करोड़ खर्च करबाक अछि, जेकरा सरकार तैयार अछि।
जाहि शहर भेल चुनाव : पटना, खगौल, दानापुर, फुलवारीशरीफ,बिहारशरीफ, बेगूसराय, आरा, छपरा, सिवान, हाजीपुर, मुजफ्फरपुर, दरभंगा, सीतामढ़ी, मोतिहारी, बेतिया, गया, सासाराम, औरंगाबाद, डेहरी, नवादा, बोधगया, भागलपुर, मुंगेर, जमालपुर, पूर्णिया, कटिहार, किशनगंज आ सहरसा।
बिहार मे शहरीकरण क रफ्तार फिलवक्त काफी सुस्त अछि। लंबा समय तक शहरी निकाय कए उपेक्षित रहबा स नागरिक सुविधा मे अपेक्षित सुधार नहि भेल। एहन मे डीएफआईडी क पहल स उम्मीद क नव किरण देखा रहल अछि। प्रथम चरण मे एकरा लेल छह साल लेल योजना बनल अछि।