• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नियुक्त हेताह 4800 ड्राइवर

May 17, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना । अगर सब किछु ठीक ठाक रहल, त एहि साल क अंत तक पुलिस विभाग मे 4800 ड्राइवर क बहाली भ सकैत अछि। एहि स संबंधित प्रस्ताव गृह विभाग कए हाल मे पठाउल गेल अछि। प्रक्रिया मे तेजी अनबा लेल पुलिस मैनुअल मे संशोधन कैल जा रहल अछि। विभाग कए कहब अछि जे गाड़ी त अछि मुदा ड्राइवर नहि। विभाग क कहब अछि जे हाल क दिन मे अपराध आ नक्सल समस्या स निबटबा लेल पैघ संख्या मे गाड़ी कीनल गेल अछि, मुदा ड्राइवर नहि अछि। जे ड्राइवर छथि हुनका प्रोन्नत करि देल गेल अछि। हालात इ अछि जे आब आलाधिकारी कए सेहो अपन गाड़ी अपने चलेबा लेल कहल जा रहल अछि। एकर अलावा एंटी लैंडमाइंस सन  वाहन कए चलेबा लेल ड्राइवर नहि अछि। वैकल्पिक व्यवस्था क तहत सैप क जवान एहि वाहन कए चला रहल छथि।
जानकारीक अनुसार पहिने मात्र 800 ड्राइवर बहाल करबाक योजना छल, मुदा जाहि ढंग स वाहन बढ़ल अछि ओकरा देखैत इ संख्या कम पडि़ रहल अछि। हाल मे गृह सचिव आ पुलिस मुख्यालय क अधिकारी क बीच भेल बैठक मे चारि हजार आओर ड्राइवर बहाल करबाक प्रस्ताव रखल गेल अछि।
पुलिस मुख्यालय एहि मामले मे स्पष्ट केलक अछि जे सैप क जवान कए छोडि़ अन्य कोनो पद पर कांट्रैक्ट पर बहाली नहि होएत। पहिने ड्राइवर क लेल इ योजना छल, जेकरा आब त्याग देल गेल अछि। आब सिपाही चयन पर्षद क माध्यम स प्रतियोगिता होएत। चयन क प्रक्रिया आ योग्यता मे सेहो संशोधन कैल जा रहल अछि। पहिने ड्राइवर क लेल सेहो दौड़ प्रतियोगिता होइत छल। एकरा हटेबा पर विचार कैल जा रहल अछि। पहिने जेकरा लग ड्राइविंग क पांच सालक अनुभव छल, हुनकर चयन कैल जाइत छल। आब तीन साल क अनुभव क प्रावधान कैल जा रहल अछि। ड्राइविंग ट्रायल कए अनिवार्य कैल जा रहल अछि।
एडीजीएडीजी (मुख्यालय) पीके ठाकुर कहैत छथि जे ड्राइवर नियुक्ति क लेल पुलिस मैनुअल मे संशोधन भ रहल अछि।  रिक्ति बढ़ल अछि। पूर्व स नियुक्त ड्राइवर क प्रोन्नत भेला स परेशानी बढ़ल अछि। पैघ संख्या मे लोक रिटायर सेहो भ रहल अछि। ठाकुर क कहब अछि जे सिपाही बहाली क प्रक्रिया पूरा भेलाक बाद ड्राइवर क बहाली प्रक्रिया शुरू करि देल जाएत।
जानकारक कहब अछि जे पुलिस मुख्यालय क प्रस्ताव पर गृह विभाग गंभीरता स विचार करि रहल अछि। गृह विभाग क पुलिस मुख्यालय क प्रस्ताव कए स्वीकार करबा आ ड्राइवर क बहाली स राज्य मे कानून और व्यवस्था कए दुरुस्त रखबा मे  मदद भेटत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार लॉ एंड ऑर्डर कए दुरुस्त रखबा पर हरउम जोर दैत रहैत छथि।

Tags: Bihar

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

1600 करोड़ स चमकत शहर

छोट राज्य नहि स्थानीय नेता चाही

Esamaad Epaper Website

सरकार कए डूबा कए रहत नगर विकास विभाग

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि