• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

विश्व बैंक देलक छह अरब टका

May 19, 2010
in समाद विशेष
A A

पटना। विश्व बैंक स भेटल राशि क बेहतर उपयोग क लेल सरकार पंचायत क कार्यशैली सुधारत। त्रिस्तरीय पंचायती व्यवस्था क लेल विश्व बैंक छह अरब टका बिहार सरकार कए देलक अछि। आब पंचायत क सुदृढ़ीकरण आ शक्ति क विकेन्द्रीकरण क लेल पहिल बेर बिहार ग्राम स्वराज योजना सोसाइटी (बीजीएसवाईएस) बनाउल गेल अछि। सीएजी क रिपोर्ट मे पंचायत क वित्तीय अनियमितता क मामला उठैत रहैत अछि। एहि स राज्य सरकार क फजीहत होइत रहैत अछि। बीजीएसवाईएस राज्य मुख्यालय स लकए प्रखंड तक मे चारि स्तर पर अलग-अलग नाम स काज करत। राज्य सोसाइटी, कार्यकारिणी समिति, जिलास्तरीय समन्वय सोसाइटी आ प्रखंडस्तरीय समन्वय सोसाइटी। चारू समिति बिहार पंचायत सुदृढ़ीकरण परियोजना (प्रोजेक्ट ग्राम स्वराज) क प्रबंधन आ एकर कार्यक्षेत्र क विस्तार क लेल सेहो उत्तरदायी होएत। राज्य सोसाइटी क बैठक वर्ष मे एक बेर होएत। कार्यकारिणी, जिला आ प्रखंडस्तरीय समन्वय सोसाइटी क बैठक तीन मास मे एक बेर होएत।

उद्देश्य
– पंचायती राज संस्था कए समर्थ आ स्वायत्त बनेबा लेल नीति आ प्रशासनिक माहौल बनाएब
– सरकारी परियोजना क कार्यान्वयन क योजना कए सूत्रबद्ध करब
– पंचायत कए नागरिक आ ग्राम सभा क प्रति ओकर उत्तरदायित्व कए लकए जागरूक बनाएब
– क्षमता निर्माण क लेल फेसिलिटेटर, प्रशिक्षक, निजी-लोक संस्थान आ अधिवक्ता कए शामिल करब
– पारदर्शिता मे बढ़ोतरी क लेल पंचायत मे आवश्यक संरचना क सृजन करब
– पंचायत सरकार भवन, संसाधन केन्द्र, एमआईएस आ आईसीटी क निर्माण क निगरानी करब

राज्य सोसाइटी
अध्यक्ष – विकास आयुक्त
सदस्य – प्रधान सचिव पंचायती राज, वित्त, योजना आ विकास, ग्रामीण विकास, मानव संसाधन, समाज कल्याण, स्वास्थ्य, ग्रामीण कार्य, पीएचईडी, महानिदेशक बिपार्ड
सदस्य सचिव – परियोजना निदेशक (बीजीएसवाईएस)

कार्यकारिणी समिति
अध्यक्ष – प्रधान सचिव पंचायती राज
सदस्य – प्रधान सचिव, वित्त, योजना एवं विकास, ग्रामीण विकास, मानव
संसाधन, समाज कल्याण, स्वास्थ्य, ग्रामीण कार्य, पीएचईडी, महानिदेशक बिपार्ड
सदस्य सचिव – परियोजना निदेशक (बीजीएसवाईएस)

जिलास्तरीय समन्वय सोसाइटी
अध्यक्ष – डीएम
उपाध्यक्ष – सीईओ जिला परिषद
सदस्य – जिला पंचायती राज पदाधिकारी, योजना पदाधिकारी, सांख्यिकी पदाधिकारी, कार्यक्रम पदाधिकारी, सिविल सर्जन, डीईओ, प्रमंडलीय शिक्षा अधीक्षक, कार्यपालक अभियंता, कल्याण पदाधिकारी, जिला परिषद अभियंता
संयोजक – जिला कार्यक्रम प्रबंधक

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

प्रखंडस्तरीय समन्वय सोसाइटी
अध्यक्ष – सीईओ पंचायत समिति
उपाध्यक्ष – प्रखंड पंचायती राज अधिकारी
सदस्य – सीडीपीओ, प्रभारी प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र, बीईईओ, प्रखंड सांख्यिकी अधिकारी, कार्यक्रम
अधिकारी (मनरेगा), प्रखंड कल्याण अधिकारी
संयोजक – प्रखंड कार्यक्रम प्रबंधक

पंचायती राज पर एक नजरि
संस्था संख्या
पंचायत 8463
पंचायत समिति 531
जिला परिषद 38
नगर निगम 11
नगर परिषद 43
नगर पंचायत 88

Tags: Biharworld bank

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

1 लाख क आबादी पर महज 69 पुलिसकर्मी!

Esamaad Epaper Website

रिवर पुलिसिंग लेल नहि वोट अछि आ नहि जवान

Esamaad Epaper Website

मोबाइल काल डिटेल्स भेटब भेल आसान

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि