पटना। बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री आ जननायक कर्पूरी ठाकुर कोनो संस्थान क नाम क आगू नेताक नाम जोड़बाक विरोधी छलाह। अपन कार्यकाल मे ओ अनेक संस्थान मे स नेताक नाम हटेलाह। मुदा नीतीश सरकार वोटक राजनीति मे कर्पूरी ठाकुर क नाम दूटा संस्थाक नामक आगू जोड़बाक फैसला लेलक अछि। बिहार मंत्रिमंडल आइ मधेपुरा चिकित्सा महाविद्यालय क नाम स्वर्गीय जननायक कर्पूरी ठाकुर चिकित्सा महाविद्यालय आ भागलपुर स्थित नाथ नगर रेफरल अस्पताल क नाम जननायक कर्पूरी ठाकुर रेफरल अस्पताल करि देलक। बैठक क जानकारी दैत मंत्रिमंडलीय सचिवालय विभाग क प्रधान सचिव अफजल अमानुल्ला कहला जे मंत्निमंडल क आइ भेल महत्वपूर्ण बैठक मे मधेपुरा चिकित्सा महाविद्यालय क नाम स्वर्गीय जननायक कर्पूरी ठाकुर चिकित्सा महाविद्यालय आ भागलपुर स्थित नाथ नगर रेफरल अस्पताल क नाम जननायक कर्पूरी ठाकुर रेफरल अस्पताल करबाक प्रस्ताव कए मंजूरी द देल गेल। संगहि भागलपुर स्थित सदर अस्पताल क नाम स्वर्गीय लोक नायक जयप्रकाश नारायण सदर अस्पताल और पटना जिला स्थित मोकामा रेफरल अस्पताल का नाम हिन्दी के प्रख्यात विद्वान के नाम पर स्वर्गीय बैजनाथ शर्मा रेफरल अस्पताल करने का निर्णय लिया है।
अमानुल्ला कहला जे एहि बैठक मे नेतरहाट क तर्ज पर जमुई क सिमुलतला मे एकटा स्कूल खोलबाक मंजूरी द देल गेल। एकरा लेल सिमलुतला शिक्षा सोसाइटी क स्थापना आ आवासीय विद्यालय क शिक्षक आ शिक्षकेत्तर कर्मी क नियुक्ति करबाक निर्णय सेहो लेल गेल। ओ कहला जे एहि विद्यालय मे छठम स बारहम कक्षा क 420 छात्र आ ओतबे छात्राक नामांकन भ सकत। ओ कहला जे प्रथम वर्ष मे मात्र कक्षा छह मे नामांकन होएत।