पटना। अगिला छह मास मे एनएचएआई क देखरेख मे बिहार मे लगभग ढाई हजार करोड़क लागत क कईटा सड़क परियोजना पर काज आरंभ हेबाक संभावना अछि। आधा दर्जन सड़क परियोजना क निविदा कए अंतिम रूप देलाक बाद एनएचएआई निर्माण कंपनी कए कार्य आवंटित करि देलक अछि। एहि मे कईटा सड़क एन्यूटि आ बीओटी टाल पर बनत। एनएचएआई क आला अधिकारी क कहब अछि जे हाजीपुर-मुजफ्फरपुर फोरलेनिंग क योजना गैमन इंडिया कए देल गेल अछि। छह माह क भीतर एहि पर काज शुरू भ जाएत। एहिना छपरा-हाजीपुर क फोरलेनिंग क काज मधुकान कए देल गेल अछि। इ परियोजना 606 करोड़ टकाक अछि। काफी दिन स पिपराकोठी-रक्सौल क सड़क क मामला अटकल छल। एहि सड़क क निर्माण क जिम्मा तांतिया कंस्ट्रक्शन कए देल गेल अछि। इ सड़क बीओटी टाल पर फाइनल भेल अछि। एहि सड़क क लागत 300 करोड़ टका अछि। मोकामा-मुंगेर सड़क आब फोर लेन क जगह दू लेन मे बनत। एकर निर्माण क जिम्मा सीएंडसी कंस्ट्रक्शन कए देल गेल अछि। पटना-बख्तियारपुर फोरलेनिंग क मामला सेहो निविदा क स्तर मे अछि। फारबिसगंज-जोगबनी क मामला सेहो तय भ गेल अछि। एकर निर्माण लागत 650 करोड़ टका अछि। एनएचएआई क अधिकारी कहलथि जे खगडिय़ा-पूर्णिया आ आरा-बक्सर सड़क क मामला फिलहाल अटकल पड़ल अछि।