नई दिल्ली । आईआईटी संस्थान मे दाखिला क लेल होइवाला प्रवेश परीक्षा मे बदलाव क तैयारी भ रहल अछि। नव सिस्टम क तहत 12वीं क्लास क 70 फीसदी अंक आ एकटा एप्टिट्यूड टेस्ट क आधार पर कटऑफ लिस्ट बनत जेकर बाद मात्र 40 हजार छात्र परीक्षा द सकताह। जखनकि एखन आईआईटी संयुक्त प्रवेश परीक्षा मे 4 लाख स बेसी छात्र शामिल होइत छथि। दाखिलाक लेल अपनाउल गेल मौजूदा प्रवेश परीक्षा मे बदलाव क लेल मानव संसाधन विकास मंत्रालय नव मसौदा तैयार केलक अछि। मानव संसाधन विकास मंत्रालय क एहि कदम कए कोचिंग प्रणाली पर अंकुश लगेबा लेल क्रांतिकारी कदम मानल जा रहल अछि,मुदा एहि स सबस बेसी घाटा उत्तरप्रदेश आ बिहारक छात्र कए भ सकैत अछि।
आईआईटी खडग़पुर क डायरेक्टर दामोदर आचार्य क अगुवाई मे बनल पैनल क एहि रिपोर्ट पर सवाल सेहो ठार भ रहल अछि। पटना मे सुपर-30 संस्थान चलौनिहार आनंद मानैत छथि जे अगर इ सिफारिश लागू भेल त यूपी आ बिहार क छात्रों पर एकर ख्राब असर पड़त। किया कि एहि ठामक बोर्ड अंग्रेजी माध्यम वाला बोर्ड क तुलना मे 12वीं मे बेसी अंक आनब काफी मुश्किल अछि।
पैनल क रिपोर्ट क मुताबिक आईआईटी संयुक्त परीक्षा मे बैसनिहार छात्र कए पहिने द तय करबाक अछि जे ओ विज्ञान आ इंजीनियरिंग क कौन शाखा आ कौन संस्थान मे दाखिला चाहैत अछि। पैनल क इ सिफारिश भले छात्र कए 12वीं क्लास मे बेहतर नतीजा अनबा लेल प्रेरित क सकैत अछि, मुदा एहि स कोचिंग संस्थान पर लगाम लागत इ कहब मुश्किल अछि। हां, बिहारक छात्र कए एकटा आओर बाधा कए पार करबाक चुनौति जरूर भेट गेल अछि।