छपरा/सीतामढ़ी । छपरा-आरा पुल क शिलान्यास करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे हम प्रदेश मे विश्वास क सेतु बनेलहुं अछि जाहि पर विकास आ अमन क गाड़ी दौड़ रहल अछि। सारण क जिला मुख्यालय छपरा क राजेन्द्र स्टेडियम मे आयोजित पुल क शिलान्यास समारोह मे मुख्यमंत्री कहला जे आरा-छपरा पुल एखन धरि बनल सब पुल मे सबस बेसी लागत क स बनत। ओ कहला जे भोजपुरी क्षेत्र क भांति मिथिलांचल कए सेहो जोड़बा लेल कोसी नदी पर पुल क निर्माण भ हल अछि। उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे छपरा-आरा पुल स भोजपुरी क्षेत्र क लोक कए बहुत पुरान सपना साकार भ जाएत। दोसर दिस सीतामढ़ी मे बागमती नदी क ढ़ेंग घाट पर चिरप्रतीक्षित शहीद वंशी चाचा पुल क उद्घाटन करैत मुख्यमंत्री एकरा जनता कए समर्पित केलथि। इ पुल 59 करोड़ क लागत स बनल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे बैरगनिया क लोकक 63 वर्ष पुरान मांग आ आजादी क बाद क सबस पैध सपना कए हकीकत बनैत देखि हुनका खुशी भ रहल अछि।