नई दिल्ली । गगन यानी जीपीएस युक्त जियो ऑग्मेंटेड नेविगेशन प्रणाली क शुरुआत करैत नागरिक उड्डयन मंत्री प्रफुल्ल पटेल कहला जे बिहार क राजधानी पटना क हवाई अड्डा क विस्तार करबाक योजना पर काज भ रहल अछि। ओ कहला जे मंत्रालय रनवे क लंबाई बढ़ेबा लेल तैयार अछि,मुदा एकरा लेल जमीन क अधिग्रहण आदि क संभावना नहि अछि।
मंत्री जी कहला जे विस्तार क लेल हवाई अड्डे क पड़ोस मे मौजूद जैविक उद्यान क सहारा लेल जा सकैत अछि। एकर तहत उद्यान क किछु गाछ कए काटल जा सकैत अछि आ रनवे क लंबाई बढ़ाउल जा सकैत अछि। मुदा एकर संबंध मे पर्यावरण क पहलू स मंजूरी देबाक काज बिहार सरकार क अछि। कुल मिला कए पटेल एहि मामला मे अपन हाथ बचा, बिहार सरकार पर मामला कए डालि देलथि
दोसर दिस कहलथि जे गगण क संगहि भारत उपग्रह आधारित नेविगेशन प्रणाली वाला चारित देश बनि गेल। इ प्रणाली केवल अमेरिका, यूरोप आ जापान मे अछि। एहि प्रणाली क प्रमाणन क काज नवंबर स शुरू होएत आ जून 2013 तक चलत। नेविगेशन प्रणाली कोनो विमान कए उड़ान भरैत काल दिशा आ दूरी आदि बतेबाक काज करैत अछि। एकर बिना कोनो विमान कए उड़ान भरब संभव नहि अछि।
भारतीय विमानपत्तन प्राधिकरण क अध्यक्ष वीपी अग्रवाल कहला जे एहि स विमानन कंपनी कए बहुत पैसा बचि जाएत।