• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

नालंदा स फेर बहत ज्ञान गंगा

August 22, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्ली । भारत मे शिक्षा क स्वर्ण युग क गवाह रहल नालंदा क गौरव फेर स लौटबाक समय आबि गेल अछि। एहि काज मे भारत नहि, दुनिया क दोसर देश सेहो संग द रहल अछि। भारतीय संसद नालंदा विश्वविद्यालय कए पुनर्स्थापित करबाक भगिरथी प्रयास कए अमलीजामा पहिरेबाक लेल एक डेग बढा देलक अछि। शनिदिन राज्यसभा एहि ऐतिहासिक विधेयक कए मंजूरी द देलक। अगिला हफ्ता लोकसभा स सेहो इ विधेयक पास भ जेबाक चाही।
राज्यसभा मे नालंदा विश्वविद्यालय विधेयक, 2010 पर भेल चर्चा मे शामिल विभिन्न दल क सदस्य उम्मीद जतेलथि जे इ विश्वविद्यालय भारतीय मूल्य कए एक बेर फेर शिखर पर पहुंचाउत। अंतरराष्ट्रीय स्तर पर ओ फेर वैह पहचान हासिल करत, जइसन प्राचीनकाल मे छल। चर्चा क शुरुआत करैत भाजपा क बाल आप्टे कहला जे अंतरराष्ट्रीय स्तर क एहि विश्वविद्यालय क पूरा जोर ज्ञान, चरित्र, शील आ व्यवहार पर केंद्रित हेबाक चाही। ओ सुझाव देलथि जे एकर पाठ्यक्रम देश क संस्कृति कए ध्यान मे राखिकए तैयार कैल जाए।
कांग्रेस क डॉ. कर्ण सिंह कहला जे इ विधेयक विदेश मंत्रालय दिस स आनल गेल अछि, जाहि स प्रतीत होइत अछि जे इ अंतरराष्ट्रीय स्तर पर स्थापित भ रहल अछि। लिहाजा आब यदि एकरा अंतरराष्ट्रीय स्तर क बनाउल जा रहल अछि त इ वाकई ओहने हेबाक चाही । भवन एहन हेबाक चाही जाहि स ओहि कालक भान हुए आ ओहि समय क संस्कृति आ समृद्धि परिलक्षित हुए। किया कि पांचम सदी मे विक्रमशिला, तक्षशिला आओर नालंदा विश्वविद्यालय शिक्षा क पैघ केंद्र छल। ओहि समय नालंदा मे 10 हजार विद्यार्थी छलथि। जाहि मे अफगानिस्तान, बुखारा, इंडोनेशिया समेत अन्य देश क दू हजार शिक्षार्थी आ शिक्षक छलाह।
सपा क मोहन सिंह एहि विश्वविद्यालय मे सबटा पुरान लिपि कए संग्रहीत करबाक सुझाव देलथि। बसपा क प्रमोद कुरील दाखिला आ शिक्षक क नौकरी मे अनुसूचित जाति, जनजाति कए आरक्षण क पैरवी केलथि।
लोजपा क रामविलास पासवान आशंका जतेलाह जे कहीं एहि विश्वविद्यालय क प्रबंधन मे आईएएस आ आईएफएस क नियंत्रण न भ जाए। ओ सतर्क केलथि जे विश्वविद्यालय प्रबंधन मे बौद्ध कए सेहो प्रतिनिधित्व भेटबाक चाही। जदयू क एनके सिंह विभिन्न देश क साहित्य कए सेहो एकर पाठ्यक्रम मे शामिल करबाक सुझाव देलथि। राजद क रामकृपाल यादव आ राजनीति प्रसाद सेहो विधेयक क समर्थन केलथि।
चर्चा क बाद विदेश राज्य मंत्री परनीत कौर कहलथि जे अंतरराष्ट्रीय स्तर क इ विश्वविद्यालय 16 देश क सहयोग स बनत आ एहि मे अंतरराष्ट्रीय संबंध, प्रबंधन, इतिहास, भाषा आ पर्यावरण क अलावा कईटा दोसर विषय सेहो पढाउल जाइत। ओ कहलथि जे सिंगापुर सरकार 50 लाख डॉलर क सहयोग द रहल अछि। एहि स जुडल मामला कए देखबा लेल विदेश मंत्रालय मे एकटा संयुक्त सचिव स्तर क अधिकारी कए जिम्मेदारी देल जाएत। जतए धरि भवन क डिजाइन क सवाल अछि त ओ अंतरराष्ट्रीय स्तर स मंगाउल गेल डिजाइन मे स तय कैल जाएत। बाद मे सदस्य विधेयक कए ध्वनिमत स पारित करि देलथि। एहि चर्चाक खास गप इ रहल जे विधेयक पास भेलाक बाद उपसभापति कहलथि जे राज्य सभाक इतिहास मे बहुत कम विषय पर एहन गंभीर चर्चा भेल अछि, ताहि लेल आजुक इ चर्चा खास रहल आ समयक ज्ञान नहि रहल ताहि लेल निर्धारित समय स किछु काल बेसी चर्चा भ गेल।

Tags: Biharnalanda

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

तारानन्द वियोगी कए साहित्य अकादेमी पुरस्कार

Esamaad Epaper Website

स्तरीय बनत दरभंगाक नेहरू स्टेडियम

तैयार भेल रेलवेक मिथिला भ्रमणक योजना

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि