नई दिल्ली। भारतीय रेल क सरकारी आओर निजी साझेदारी क तहत बिहार क मधेपुरा मे प्रतावित रेल इंजन कारखाना जल्द शुरू भ जाएत। चारिटा अंतरराष्ट्रीय दिग्गज कंपनी मधेपुरा मे प्रस्तावित 1,000 करोड़ टकाक लागत स बनैवाला इलेक्ट्रिक लोकोमोटिव फैक्टरी क लेल बोली लगा देलक अछि। एहि परियोजना क घोषणा तत्कालीन रेल मंत्री लालू प्रसाद वित्त वर्ष 2007-08 क बजट मे केने छलाह।
जर्मनी क सीमेंस, फ्रांस क रेल परिवहन कंपनी एल्सटॉम, कनाडा क बॉमबार्डियर आओर जीई ट्रांसपोर्टेशन मधेपुरा मे स्थापित होइवाला एहि परियोजना क लेल आवेदन सौंप देलक अछि। सफल उम्मीदवार क लग मे एहि परियोजना क लेल रेलवे क संग 74/24 क अनुपात मे संयुक्त उद्यम लगेबाक विकल्प होएत। खरीद सह रख-रखाव समझौता क तहत स्थापित इ फैक्टरी अगिला दस साल तक सालाना 120 इंजन क निर्माण करत। एहि परियोजना पर लगभग 1,000 करोड़ टका क लागत एबाक अनुमान अछि। जखन एहि संबंध मे परियोजना क होड़ मे शामिल चारू कंपनी स संपर्क कैल गेल त सब कियो एहि पर टिप्पणी करबा स मना करि देलथि। मुदा उद्योग जगत क जानकार क अनुसार रेलवे क विनिर्माण परियोजना मे निजी कंपनी क प्रवेश वाकई एकटा महत्वपूर्ण गप अछि।