नई दिल्ली। दिल्ली स्थित बिरला मंदिर क वाटिका मे एहि साल मिथिला क लोक पर्व सामा-चकेबा हर्षाेल्लास स मनाउल गेल। भाई-बहिन क अद्भुत प्रेम क ई उत्सव राजधानी मे पहिल बेर मनाउल गेल। मिथिला क साहित्य आ संस्कृति क लेल काज केनिहार मैथिली युवा संगठन यूथ ऑफ़ मिथिला राजधानी मे पहिल बेर सामा-चकेवा क आयोजन करबा मे सफल रहल। दिल्ली आ एनसीआरक मैथिल परिवार क भागीदारी स बिरला मंदिर क वाटिका किछु काल लेल मानू मिथिला भ गेल छल। उत्सव श्रीमती नीतू झा क निर्देशन मे संपन्न भेल। एहि उत्सव क राजधानी मे आयोजन क आवश्यकता पर प्रकाश दैत यूथ ऑफ़ मिथिला क अध्यक्ष भवेश नंदन कहला जे जखन समाज अपन माटी स दूर रहैत अछि तखन अपन पारंपरिक मूल्य आ समृध्द संस्कृति कए बिसरबा लेल मजबूर नहि भ जाए ताहि लेल एहन आयोजनक आवश्यकता बढल जा रहल अछि, इ आयोजन एकटा प्रयास अछि अपन समृध्द परंपरा कए अपन मूल रूप मे मनेबाक। ओ कहला जे सामा-चकेबा कए व्यापक प्रचार प्रसार जरुरी अछि, संस्कृति क प्रति मिथिला क नजरिया देश समाज मे व्यापक रूप स पहुचे त नीक होएत। एहि अवसर पर संगठन क प्रवक्ता सह उपाध्यक्ष कमलेश किशोर झा ने सामा-चकेबा क पारंपरिक गीत क संबंध मे लोक कए जानकारी देलथि। एहि अवसर पर गाँधी शांति प्रतिष्ठान क सचिव सुरेन्द्र कुमार, पत्रकार अवधेश कुमार, अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद् क महासचिव केएन झा, मैलोरंग क सचिव प्रकाश झा, योम के सचिव आनंद झा, पत्रकार हितेंद्र गुप्ता, अबीर वाजपेई, अमिताभ भूषण, युवा फिल्मकार आकाश अरुण, कैमरा मैन रतुल बरुआ, रणजीत
झा, गौतम कृष्ण, कुंदन झा, शेषनाथ मिश्र, गोपाल जी गोपाल, धीरेन्द्र कर्ण अशोक झा, विकास मिश्र, संतोष कुमार आदि पुरूष सेहो उपस्थित छलाह।
सामा फोरब मोन परि गेल.