अगिला मास स शुरू होएत दरभंगा स व्यावसायिक उडान
दरभंगा। कोलकाता क मेडिका सुपर स्पेशलिटी हास्पिटल रियायती दर पर गंभीर मरीज कए वायु परिभ्रमण सेवा देबाक बीड़ा उठेलक अछि। उत्तर बिहार क मरीज लेल दू दिसंबर स हवाई एम्बुलेंस सेवा शुरू भ गेल। एकरा लेल मोबाइल नंबर 9431207211 पर कोई बुकिंग करा सकैत अछि। एकर बाद जहाज दरभंगा हवाई अड्डे पर हाजिर भ जाएत।
मेडिको सुपर स्पेशियालिटी अस्पताल, कोलकाता क निदेशक डा. आलोक राय एहि हवाई एम्बुलेंस सेवा क उद्घाटन दरभंगा हवाई अड्डा पर केलथि। ओ कहला जे बुक करबाक दू घंटा क भीतर जहाज हवाई अड्डे पर लैंड करि जाएत। गंभीर मरीज कए फौरन कोलकाता क मेडिको सुपर स्पेशियालिटी अस्पताल मे भर्ती करा देल जाएत। एहि सेवा क लेल मरीज कए मात्र 40 हजार टका भुगतान करबाक अछि। एहि मे हवाई जहाज क खर्च शामिल अछि। जहाज पर एकटा डॉक्टर सेहो रहत जेकरा लेल कोनो अलग स शुल्क नहि लेल जा रहल अछि।
मेडिका हॉस्पिटल प्रा. लि. क मार्केटिंग विभाग क एसिस्टेंट वाइस प्रेसिंडेंट राजीव कुलश्रेष्ठ कहला जे हुनकर अस्पताल देश क पूर्वी भाग क सबस पैघ हेल्थ यूनिट अछि। अस्पताल दरभंगा मे अपन सूचना केंद्र खोलि रहल अछि आ आपात स्थिति मे जे रोगी कए कोलकाता ल जेबाक रहत ओ दू घंटा पूर्व केंद्र कए वायु सेवा उपलब्ध करबा लेल संपर्क करि सकैत छथि। सेवा उपभोग करबाक एवज मे परिजन कए 40 हजार टका शुल्क लागत। इ वायु सेवा हरेक दिन सूर्याेदय क बाद आ सांझ क चारि बजे क भीतर देल जाएत। अस्पताल एहि लेल स्पिरिट एयर प्रा.लि. स चारि सीट वाला जहाज दू साल लेल अनुबंध पर लेलक अछि।
दोसर दिस बंगलूरू क कंपनी स्पिरिट एयर प्राइवेट लि. जनवरी स दोबारा दरभंगा क वायु अड्डा स व्यावसायिक उड़ान भरत। एकरा लेल कंपनी दस सीट वाला जहाज उपलब्ध करा रहल अछि। कंपनी क प्रतिनिधि नवीन कुमार अनुसार प्लेन भाड़ा पर लेल गेल अछि। पटना मे हैंगर नहि भेटबा स इ सेवा नहि शुरू भ सकल छल। शुरूआती दौर मे उड़ान केवल पटना क लेल होएत। ज्ञात हुए जे उक्त कंपनी क चारि सीट वाला जहाज दरभंगा स उड़ान भरने छल, मुदा एयर वेस स विमान कए फिसलबाक बाद एहि सेवा कए बंद करि देल गेल छल। एक बेर फेर कंपनी दरभंगा स अपन सेवा शुरू करि रहल अछि।